राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ जिला बेनीपुरक तत्वावधानमे बेनीपुर मुख्यालय स्थित दुर्गा मंदिर प्रांगणमे आयोजित तिला संक्रांति उत्सव समरसता भोजक संग सम्पन्न भेल। एहि अवसर पर मुख्य बौद्धिककर्ता जिला संघ चालक मान्यवर ताराकांत झा कहलनि जे संघ द्वारा मनाओल जायवला 6 उत्सवमेसँ एकटा मकर संक्रांति बहुत महत्वपूर्ण पाबैन थिक । एहि पाबनिक मुख्य उद्देश्य सम्यक क्रांति आ संगठनक भाव निर्माण केनाई अछि । मकर संक्रांतिक खगोलीय महत्व सेहो अछि। अझूके दिनसँ सूरज दक्षनायणसँ उत्तरायणमे प्रवेश करैत छथि । एहि दिन हम सभ नव फसलसँ प्राप्त अन्न , तील , गुड़ आदि केर सेवन करैत छी ।स्कंद पुराणक 10 वां खंडमे सेहो एहि पाबनिक वर्णन भेटैत अछि ।
ओतहि कार्यक्रमक संयोजक सह विधानसभा संयोजक मुनीन्द्र यादव कहलन्हि जे मकर संक्रांति समरसताक पाबैन थीकै । एकर मुख्य उद्देश्य लोक सभकेँ आपसमे जोड़नाई सेहो अछि । मौका पर विभाग समरसता प्रमुख राज नारायण यादव , जिला कार्यवाह सत्येंद्र प्रसाद सिंह , अधिवक्ता परिषदक प्रदेश उपाध्यक्ष विनय कुमार झा , हरिश्चंद्र प्रसाद गुप्ता , बैजू पूर्वे , शंभू राउत , शिव शंकर मिश्रा , निभा देवी , नेति राम , शिवजी सदाय , रमन जी पासवान , धनपति ठाकुर , महेश प्रसाद सिंह ,रजनीश सुंदरम , प्रवीण कुमार झा , अश्वनी सारंगी , बैजू यादव , ललित यादव , दयाराम चौरसिया , संजीव ठाकुर, भरत साहू , अरुण कुमार पोद्दार , हरिहर प्रसाद पटवा , सुरेंद्र सहनी, बिंदे सहनी ,मदन कुमार साह , विदेश्वर यादव , शंकर भगवान पूर्वे , संतोष यादव , भगवान पाठक , बृजकिशोर यादव , कृष्ण कुमार राय , गौरव कुमार मंडल , शाही सुदर्शन , मदन यादव , श्रवण लाल देव , रामचंद्र यादव , संजय मिश्रा पप्पू , राधे यादव , अदिति श्री , शिवम कुमार , अमरेश यादव सहित सैकड़ो स्वयंसेवक आ कार्यकर्ता संगी साथी सभ उपस्थित छलथि।