जम्मू-कश्मीर पुनर्गठन (दोसर संशोधन) विधेयक-२०२३ सरकार द्वारा लोकसभामे प्रस्तुत
नई दिल्ली
*
केन्द्र सरकार मंगलदिन लोकसभामे जम्मू-कश्मीर पुनर्गठन (दोसर संशोधन) विधेयक-२०२३, आ केन्द्र शासित प्रदेश सरकार (संशोधन) विधेयक-२०२३ प्रस्तुत कयलक।
केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाहक दिससँ केन्द्रीय गृह राज्य मंत्री नित्यानन्द राय ई दूनू विधेयक सदनमे प्रस्तुत कयलनि।
विधेयक प्रस्तुत करैत काल टीएमसी सांसद सौगत रॉय सदनमे जम्मू-कश्मीर पुनर्गठन (दोसर संशोधन) विधेयक-२०२३ पेश करबाक विरोध कयलनि, जाहिपर गृह राज्य मंत्री नित्यानन्द राय ठाढ़ भेलाह आ उत्तर देलनि जे एहि विधेयक पर चर्चाक क्रममे सरकार सदनमे सभ प्रश्नक (सांसद द्वारा उठाओल गेल) उत्तर देत।
जनतबक अनुसार २०२३-२४ केर अनुपूरक बजट आ २०२०-२१ केर लेल अतिरिक्त अनुदान पर सेहो लोकसभामे आगुक चर्चा भऽ रहल अछि।
संगहि केन्द्रीय संसदीय कार्य मंत्री प्रह्लाद जोशी सेहो बयान देलनि अछि जे आईपीसी, सीआरपीसी आ भारतीय साक्ष्य अधिनियमक स्थान लेनिहार तीनटा विधेयक भारतीय न्याय संहिता विधेयक-२०२३, भारतीय नागरिक सुरक्षा संहिता विधेयक २०२३ आ भारतीय साक्ष्य विधेयक २०२३ मे स्टेंडिंग कमेटीक द्वारा कयल गेल सिफारिशक आधार पर केबिनेट द्वारा पारित कयल गेल विधेयककेँ नव बिलक रुपमे सदनमे पेश कयल जा रहल अछि।