देश-दुनिया

अमेरिकाक पुर्व राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प पर जानलेवा हमलाक लेल मोदी, राहुल आ बाइडेनक प्रतिक्रिया

तत्काल एक्शनक लेल यूएस सीक्रेट सर्विस आ लाॅ इन्फोर्समेंटकेँ ट्रम्पक धन्यवाद
*
नई दिल्ली
*

अमेरिकाक पुर्व राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प जानलेवा हमलामे बाल-बाल बचि गेलाह। एहि पर प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी अपन मित्र ट्रम्पक स्वास्थ्यक विषयमे चिन्ता व्यक्त करैत कहलनि, “हम अपन मित्र पूर्व राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प पर हमलासँ बहुत चिंतित छी। हम एहि घटनाक कड़ा निंदा करैत छी। राजनीति आ लोकतंत्रमे हिंसाक कोनो स्थान नहिं अछि। हम हुनक शीघ्र स्वस्थ होयबाक कामना करैत छी। हमर विचार आ प्रार्थना पीड़ित परिवार, घायल, आ अमेरिकी जनताक संग अछि।”

ओतहि अमेरिकी राष्ट्रपति जो बाइडेन सेहो देशक नाम अपन संबोधनमे कहलनि जे ओ ट्रम्पक डॉक्टरसँ बात कयने छथि आ ओ सभ ठीक छथि। ओ इहो कहलनि जे अमेरिकामे एहि तरहक हिंसा बर्दाश्त नहिं कयल जायत।

बतबैत चली जे रिपब्लिकन पार्टीक उम्मीदवारक घोषणासँ ठीक एक दिन पहिने पूर्व राष्ट्रपति पर गोली चलाओल गेल। एकटा गोली हुनकर कानकेँ छूलक।
गोली लगलाक बाद ट्रम्प अपन चेहराक दहिना भागकेँ छूलनि आ फेर जमीन पर खसि पड़लाह। सिक्रेट सर्विसक एजेंट लोकनि हुनक रक्षाक लेल स्वयंकेँ हुनका पर झोंकि देलनि। जखनि ओ उठलाह तखनि एजेंट सभ हुनका भीतर लऽ गेल।

पूर्व राष्ट्रपति ट्रम्प एकटा सोशल पोस्टमे कहलनि, “हमरा एकटा गोली लागल जे हमर दहिना कानक ऊपरी भागमे लागल।
हमरा तुरंत पता चलल जे किछु गड़बड़ अछि। हम एकटा जोरदार आवाज सुनलहुं, आ तखन गोली चलि गेल। हम तुरंत महसूस कयलहुँ जे गोली हमर त्वचा केर चीरैत निकलि रहल अछि। बहूत खून बहैत छल, तखन हमरा बुझाइल जे की भए रहल अछि।”

लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता आ कांग्रेस सांसद राहुल गाँधी सेहो डोनाल्ड ट्रम्प पर भेल घातक हमलाक कड़ा निन्दा कयलनि अछि।

राहुल गाँधी एक्स पर लिखलनि, “हम अमेरिकाक पूर्व राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प पर भेल जानलेवा हमलासँ बहुत चिन्तित छी। एहन कृत्य कड़ा निन्दा करबाक पात्र अछि। हम हुनक शीघ्र आ पूर्ण स्वस्थ होयबाक कामना करैत छी।”

पूर्व राष्ट्रपति ट्रम्प ट्रुथ सोशल पर एकटा पोस्टमे लिखलनि, “हम पेंसिल्वेनियाक बटलरमे गोलीबारीक तत्काल प्रतिक्रियाक लेल अमेरिकी सीक्रेट सर्विस आ लाॅ इन्फोर्समेंटकेँ धन्यवाद दैत छी।”
ओ रैलीमे घायल व्यक्तिक परिवारक प्रति अपन संवेदना सेहो व्यक्त कयलनि आ कहलनि, “ई विश्वाससँ परे अछि जे एहन कृत्य हमर देशमे भऽ सकैत अछि।”
शूटरक मृत्युक पुष्टि भेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *