राजनीति

राहुल गांधीक सीमावर्ती मिथिला क्षेत्रक यात्रा कतेक देत मजगूती

पटना

*

कांग्रेस नेता राहुल गांधी भारत जोड़ो न्याय यात्राक दौरान तीन दिन बिहारक सीमावर्ती मिथिला क्षेत्रमे रहलाह आ किशनगंज, पूर्णिया, अररिया एवं कटिहार होइत पश्चिम बंगालमे प्रवेश कयलनि। अपन यात्राक क्रममे राहुल गाँधी आम लोकसँ भेंट सेहो कयलनि आ किसान आ बेरोजगारसँ सेहो भेंट कयलनि। ओ रोड शोक माध्यमसँ अपन शक्ति देखयबाक प्रयास सेहो कयलनि।

मुदा सबसँ पैघ सवाल ई अछि जे राहुलक यात्रा कांग्रेसकेँ कतेक ताकत देत।

किशनगंज एकमात्र एहन सीट अछि जतय महागठबंधनक सहयोगी कांग्रेस पछिला लोकसभा चुनावमे जीत हासिल कऽ सकल छल। ओना, जाहि दिन राहुल गाँधी एम्हर अयलाह, नीतीश कुमार ओही दिन पक्ष बदलि राजगक संग चलि गेलाह। यद्यपि राहुल गाँधी पूर्णियामे एकटा रैली केर संबोधित करैत महागठबंधनक लेल ‘नीतीशक जरूरत नहिं केर बात कएने छलाह, मुदा मानल जा रहल अछि जे नीतीशक बिना महागठबंधनक रास्ता आसान नहिं अछि।

कहल जा रहल अछि जे, जँ नीतीशक पार्टी जेडीयू राहुल गांधीक न्याय यात्राक संग रहैत त इ यात्रा बेसी मजबूत होइत।

तथापि राहुल गाँधी सीमावर्ती मिथिला क्षेत्रक लोककेँ धन्यवाद देब आ आभार व्यक्त करब नहिं बिसरलाह। एहि अवधिमे लोकसभ द्वारा राहुल गाँधीक सेहो खुलि कऽ स्वागत कयल गेल।

राजनीति विश्लेषकक मोताबिक ४ लोकसभा आ २४ विधानसभा क्षेत्रक सीमावर्ती मिथिला क्षेत्रमे राहुल गाँधीक यात्राक प्रभाव तखन देखल जायत जखन एतय लोकसभा क्षेत्रसँ मजबूत उम्मीदवार सेहो उतारल जायत।

यद्यपि खराब समयमे सेहो सीमावर्ती मिथिला क्षेत्र कांग्रेसक संग ठाढ़ छल। किशनगंजमे कांग्रेस भारी अछि, एकरा कियो नकारि नहिं सकैत अछि। राजदक संग कांग्रेसकेँ भेलासँ यादव मुस्लिम वोट बैंकक सेहो एतय समर्थन भेटब निश्चित अछि। हालांकि राहुल गाँधीक यात्रासँ पहिनेहें कांग्रेसक नेता पुरान कांग्रेसी आ पैघ नेताकेँ कांग्रेससँ जोड़बामे सफल रहल छलाह। गाँधीक यात्रासँ हुनकर उत्साह आर बेसी बढ़ि गेल अछि।

राहुल गाँधी सीमावर्ती मिथिला क्षेत्रक यात्राक बाद पुनः पश्चिम बङ्गालमे प्रवेश कयलनि। एहिमे कोनो सन्देह नहिं अछि जे गाँधीक यात्रा फिलहाल कांग्रेसकेँ बल देलक अछि, मुदा चुनाव धरि कांग्रेस एकरा कायम राखि सकैत अछि कि नहिं ई देखबाक विषय होयत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *