नेपालक तनहुन जिलामे शुक्रकेँ भोरे एकटा सड़क दुर्घटनामे चौदहटा शव बरामद कयल गेल अछि। उत्तर प्रदेशक गोरखपुरक यूपी नंबर बस सन्तुलन खतम भेलाक बाद नदीमे खसि पड़ल। एहि बसमे ४३ भारतीय यात्री छलथि।
बस पोखरासँ काठमांडू जा रहल छल। घटनास्थल पर सशस्त्र पुलिस बल द्वारा बचाव अभियान शुरू कयल गेल अछि। सशस्त्र पुलिस बलक प्रवक्ता कुमार न्यूपाने पुष्टि कयलनि जे “बस दुर्घटना स्थलसँ चौदहटा शव निकालल गेल अछि। घटना स्थल पर रुकि-रुकि कऽ बरखा होयबाक कारणेँ सेनाक जवानसभकेँ बचाव अभियान चलयबामे बहुत कठिनाई भऽ रहल अछि।”
तनहुनक एसपी वीरेन्द्र शाही कहलनि कि बचाव अभियान जारी अछि। जल्दिये बाकी लोककेँ सेहो बचा लेल जायत।
स्थानीय मीडिया रिपोर्टक अनुसार, एहि घटनामे १४ लोकक मृत्युक पुष्टि भेल अछि। ओतहि लगभग १५ लोककेँ बचा कऽ इलाजक लेल नजदीकी अस्पताल पठाओल गेल अछि। बसमे महाराष्ट्रक किछु लोक सेहो यात्रा कऽ रहल छलाह। बसक चालकक मौकापर मृत्यु भऽ गेल अछि। चालक मुर्तजा गोरखपुरक निवासी छलाह।
नेपालमे भारतीय दूतावास एहि घटनाक संबंधमे एक्स पर जानकारी साझा कयलक अछि। पोखरासँ काठमांडू जा रहल एकटा भारतीय पर्यटक बस लगभग ४३ भारतीयकेँ लऽ कऽ आइ १५० मीटर नीचाँ मार्शयांदी नदीमे खसि पड़ल। स्थानीय अधिकारीसभक समन्वयसँ राहत आ बचाव कार्य चलि रहल अछि। दूतावासक आपातकालीन राहत नम्बर अछि : +९७७-९८५११०७०२१
दुर्घटनाक गम्भीरताकेँ देखैत महाराजगंजक एसडीएमकेँ नेपाल पठाओल गेल अछि। संगहि हुनकर अनुपस्थितिमे एडीएम कार्यभार सम्हारताह।
स्थानीय लोकक अनुसार एहि घटनाक बाद नेपाल पर्यटनकेँ सेहो पैघ झटका लागत। एहि दुर्घटनाक बादसँ लोकक मनमे भय उत्पन्न भऽ गेल अछि।