जहानाबादक सिद्धेश्वरनाथ मन्दिरक दुर्घटना फूल विक्रेताक बीच झगड़ाक कारण भेल अछि। पुलिस पहिने एहि दुर्घटनाक कारणकेँ भक्तलोकनिक बीच आपाधापी बतौने छल, यद्यपि डीएम केर बयानक बाद पुलिसक थ्योरी उल्टा पड़ि गेल अछि।
बिहारक जहानाबादक सिद्धेश्वरनाथ मन्दिरमे भगदड़ आ सात गोटेक मृत्युक वास्तविक कारण सामने आबि गेल अछि। ई घटना मन्दिरक भीतर जल चढ़ाबय लेल भीड़क कारण नहिं भेल अछि, बल्कि फूल विक्रेता द्वारा भक्तसभ पर हमलाक कारण भेल अछि। पैघ बात ई अछि जे सावनक चारिम सोमदिन अपेक्षित भीड़केँ देखैत पैघ संख्यामे पुलिस आ सेक्टर मजिस्ट्रेट तैनात कयल गेल छल, एकर बावजूद घटनाक समय पुलिस आ प्रशासनक लोक घटनास्थल पर उपस्थित नहिं छल।
घटनास्थल पर उपस्थित एकटा प्रत्यक्षदर्शी द्वारा एकर खुलासा भेल अछि। मन्दिरमे जल चढ़ाबय लेल आयल स्थानीय भक्त मनोजक अनुसार, जँ पुलिस घटनास्थल पर उपस्थित रहैत तँ शायद ई घटना एतेक पैघ नहिं होइत। ओ कहलनि जे सोमदिन पैघ संख्यामे श्रद्धालु मन्दिर पहुँचल छलाह। लोक आरामसँ भोलेनाथक शिवलिंग पर जलाभिषेक कऽ रहल छलाह। एम्हर मन्दिरक बाहर फूल बेचबाक लेल बैसल दोकानदारक एकटा भक्तसँ झगड़ा भऽ गेल। ई देखि सभ दोकानदार सभ मिलि गेलाह। एहनमे मंदिरक मुख्य द्वार पर हंगामा भेल।
मन्दिरमे भीड़क अनुमान पहिनेसँ लगाओल गेल छल
एहि हंगामासँ बचबाक लेल लोक एम्हर-ओम्हर दौड़य लागल। एहिसँ भगदड़ मचि गेल आ लोक एक दोसराक ऊपर दौड़य लागल। मनोजक अनुसार, एहि दुर्घटनामे कमसँ कम ५०-६० लोक घायल भेल हेताह। जिला प्रशासन द्वारा सेहो मनोजक बातक बहुत हद तक पुष्टि कयल गेल अछि। डीएम के पीआरओ जारी प्रेस नोटमे कहलखिन कि सोम दिन मंदिरमे भारी भीड़क आशंका छल। एहि लेल पैघ संख्यामे प्रशासनिक अधिकारी तैनात कयल गेल छल। पर्याप्त संख्यामे पुलिस सेहो तैनात छल।
पीआरओक अनुसार ई दुर्घटना मन्दिरमे फूलवालाक झगड़ाक कारण भेल अछि। एखनि मामिला केर जांच चलि रहल अछि। पुलिस पहिने दावा कयने छल जे मन्दिरक भीतर भगदड़ भक्तलोकनिक बीच आपाधापीक कारण भेल छल। मुदा, नव तथ्य सोझाँ अयलाक बाद पुलिसक पूरा थ्योरी उल्टा पड़ि गेल अछि। जनतब जे ई मन्दिर ऊपर पहाड़ी पर अछि। एहि मन्दिरक भीतर जगह कम अछि, नीचाँसँ मन्दिर जयबाक लेल बनाओल गेल पहुँच मार्ग सेहो संकीर्ण अछि।
एहि कारणेँ जँ कनेक भीड़ होइत अछि तँ ओकरा नियंत्रित करब बहुत कठिन भऽ जाइत अछि। डीएम के पीआरओ केर अनुसार स्थितिक अनुसार पुलिस आ प्रशासनक अधिकारीकेँ घटनास्थल पर तैनात कऽ देल गेल अछि। ओ कहलनि जे दुर्घटनाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक निर्देश आयल अछि जे मृतकक परिवारकेँ चारि लाख रुपयाक मुआवजा देल जायत। संगहि घायलक परिवारकेँ ५०,००० टाकाक क्षतिपूर्ति देबाक घोषणा सेहो कयलनि। एकर अतिरिक्त मुख्यमंत्री सभ घायलक लेल नीक इलाजक व्यवस्था करबाक निर्देश सेहो देलनि अछि।