कार्यक्रम

ललित बाबू अंतिम सांस धरि करैत रहलाह राष्ट्रक सेवा : प्रो. इस्तियाक अहमद

मधुबनी जिला कांग्रेस कार्यालय ललित भवनमे पूर्व रेल मंत्री स्व. ललित नारायण मिश्रक तैल चित्र पर पुष्प माल्यार्पण कय मनाओल गेल हुनकर ४६म पुण्य तिथि

*

मधुबनी समदिया

*

जिला कांग्रेस कार्यालय ललित भवनमे बुध दिन पूर्व रेल मंत्री सव. ललित नारायण मिश्रक ४६म पुण्य तिथि पार्टी कार्यकर्ता हुनक तैल चित्र पर पुष्प माल्यार्पण कय मनौलैन्ह। पार्टी नेता प्रो. इस्तियाक अहमद केर अध्यक्षतामे आयोजित कार्यक्रमकेँ संबोधित करैत वक्ता सभ हुनकर व्यक्तित्व आ कृतित्व पर वविस्तारसँ प्रकाश डाललैन्ह। प्रो. अहमद कहला जे ललित बाबू अंतिम संस धरि राष्ट्रक सेवा करैत रहला। हुनकर जीवन अंत धरि राष्ट्र लेल समर्पित रहल। मिथिला विश्वविद्यालयक स्थापनामे हुनकर महत्वपूर्ण योगदान रहलैन्ह। मिथिलाक विकासमे हुनकर महती भूमिका रहल जे आइयो सर्वविदित आ सर्वमान्य अछि। रेल मंत्री रहैत ललित बाबू देशक सङ्ग मिथिलाक सभ क्षेत्रमे रेलवेक जाल पसारि देलैन्ह। रेलवे के ल’ हुनकर खिंचल गेल खाका पर आइयो धरि पूर्ण काज नहिँ भऽ सकल। ओ कहलैन्ह जे जिला कांग्रेस कमिटी मधुबनी एकटा प्रस्ताव पारित कय केंद्र सरकारसँ ललित बाबूकेँ भारत रत्न देबाक मांग कयलक अछि। एहि अवसर पर दू मिनट केर मौन राखि हुनका पुण्य आत्माकेँ श्रद्धासुमन अर्पित कयल गेल। एहि श्रद्धांजलि सभामे मुख्य रूपसँ बिहार प्रदेश किसान सेल अध्यक्ष हिमांशू कुमार, अशोक कुमार, सत्येंद्र पासवान, नगर अध्यक्ष अविनाश, अकिल अंजुम, राजीव शेखर, मुकेश कुमार पप्पू, कुसुम कांत झा, मो साबिर, धनेश्वर ठाकुर, विनय झा सङ्ग अन्य पार्टी कार्यकर्ता भाग लेलैन्ह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *