अखिलेश यादव यूपीमे बुलडोजर कारवाईक बारेमे बयान देलनि, जकर बाद भाजपा पलटवार करैत कहलक जे २०२७ मे जनता अखिलेशक सपना पर बुलडोजर चलाएत। एतबे नहिं, सीएम योगी अखिलेश पर सेहो निशाना साधैत कहलनि जे सबहक हाथ बुलडोजर पर नहिं ठहरि सकैत अछि। एकरा लेल दिल आ दिमाग दुनूक आवश्यकता होइत अछि। बुलडोजर एहेन क्षमता आ प्रतिज्ञा जकरामे होइ वैऽह मात्र बुलडोजर चला सकैत अछि।
उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ कहलनि, पहिने लोककेँ नियुक्ति पत्र किएक नहिं भेटैत छल ? कारण ई छल जे हुनकर इरादा स्पष्ट नहिं छल। चाचा आ भतीजामे जबरन वसूली लेल प्रतिस्पर्धा होइत छल। आइ राज्यक किछु जिलामे आदमखोर भेड़िया आतंक पसारने अछि। २०१७ सँ पहिने सेहो इ स्थिति छलइ। ई लोकसभ सेहो ओहिना पाइ उगाही कऽ तबाही मचाबैत छल। हुनका सभक लग महाभारतक सभ पात्र छल, चाचा आ भतीजा, सभ वसुली लेल निकलैत छल।
योगी आदित्यनाथ कहलनि, “जे २०१७ सँ पहिने देश केर लूटलक, आइ जखन हुनकर सपना टूटि गेल, तऽ टीपू सेहो सुल्तान बनय चलल, ओ मुंगेरी लालक हसीन सपना देखी रहल अछि। ओ राज्यक युवा, व्यापारी आ उद्यमीक भविष्यसँ खेललनि। आइ अहाँक क्षमता आ क्षमताक मार्गमे कियो नहिं आबि सकैत अछि। जँ कोनो बाधा आबि जाइत अछि तखनि हम ओकरा हटा देब। जे बेईमानी आ भ्रष्टाचार करैत अछि, हुनकर सम्पत्ति कुर्क कऽ गरीबक बीच बाँटल जायत।
अखिलेश यादव दावा करैत कहलनि अछि जे उत्तर प्रदेशमे अगिला विधानसभा चुनावमे भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क हार निश्चित अछि आ सपा सरकार बनत। जहिना सपा सरकार बनत, बुलडोजर गोरखपुर दिसि घुमि जायत। अखिलेश यादवक एही बयान पर चर्चा तेज भऽ गेल अछि।
अखिलेश यादव कहने छलथि, “२०२७ केर विधानसभा चुनावमे भाजपाक सफाया भऽ जायत आ ओकर चुनावी परिणामसँ देशक राजनीति प्रभावित होयत। भाजपा सरकारक अधीन निर्दोष लोककेँ प्रताड़ित कयल जा रहल अछि। किसान परेशान छथि। युवाक भविष्य अन्हारमे अछि। समाजक हर वर्ग परेशान अछि बदहाल अछि।