सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी) के महानिदेशक (डीजी) दलजीत सिंह चौधरी सीमा सुरक्षा बल (बीएसएफ) केर महानिदेशक केर रूपमे पदभार सम्हारलनि छथि।
केन्द्रीय गृह मंत्रालय यूपी कैडरक १९९० बैचक आईपीएस अधिकारी दलजीत सिंह चौधरीकेँ एकटा पैघ जिम्मेदारी सौंपलक अछि। हुनका सीमा सुरक्षा बलक अतिरिक्त डीजीक जिम्मेदारी देल गेल अछि। आईपीएस दलजीत एखन सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी)क महानिदेशकक पद पर छथि।
केन्द्रीय गृह मंत्रालय द्वारा शनिदिन जारी एकटा आदेशमे कहल गेल अछि जे उत्तर प्रदेश १९९० बैचक कैडरक आईपीएस अधिकारी दलजीत सिंह चौधरी बीएसएफ डीजीक पदक अतिरिक्त प्रभार ताबत धरि सम्हारताह जाबत धरि हुनका एहि पद पर नियमित रूपसँ नियुक्त नहिं कयल जायत वा अगिला आदेश धरि, जे पहिने होय।
केन्द्र सरकार बीएसएफक डीजी नितिन अग्रवाल आ हुनक उप विशेष डीजी (पश्चिम) वाईबी खुरानियाकेँ तत्काल प्रभावसँ अपन मूल राज्य कैडरमे वापस पठा देने छल। अग्रवाल १९८९ बैचक केरल कैडरक अधिकारी छथि।