सुरक्षा

श्रीलंकाक नौसेना तमिलनाडुक ११ मछुआराकेँ कयलक गिरफ़्तार, तमिलनाडु मत्स्य विभाग कयल गिरफ्तारीक पुष्टि

चेन्नई
*

तमिलनाडु मत्स्य विभाग एकटा बयानमे कहलक अछि, “अधिकांश मछुआरा नागापट्टिनम जिलाक अक्करापेट्टईक रहनिहार छथि।
गिरफ्तार मछुआरा बृहस्पति दिन माछ मारय लेल समुद्र गेल छलाह। एहि अवधिमे श्रीलंकाक नौसेना हुनका कोडियाकराईक दक्षिण-पूर्वसँ गिरफ्तार कयलक।”

ओ कहलनि जे श्रीलंकाक नौसेना एकटा माछ मारय बला ट्रॉलर सेहो जब्त कयलक अछि। मत्स्य विभाग द्वारा मछुआरासभक पहिचान नागराथिनम (२३), आर. प्रकाश (३५), के. सुंददिरा सुंदर (३२), एस. आनन्दवेल (३२), आर. चन्द्रू (२३), वी. रमेश (४७), अक्करापेट्टई के. संजय (२३), के. शिवराज (४५), एम. वर्धन (१९), वी. सुमन (२५) आ एम. राजेन्द्रनक रूपमे कयल गेल अछि।

मत्स्य विभाग कहलक, “अधिकांश मछुआरा अक्करापेट्टई, नाम्बियार नगर आ पुथियाकल्लर क्षेत्रसँ अबैत छथि।”

एम्हर श्रीलंकाक नौसेना कहलक जे मछुआरा अंतर्राष्ट्रीय समुद्री सीमा रेखा (आई.एम.बी.एल.) पार कऽ श्रीलंकाक जलक्षेत्रमे घुसल छल। श्रीलंकाक जलक्षेत्रमे प्रवेश कयलाक बाद हुनका सभकेँ गिरफ्तार कयल गेल अछि।

श्रीलंकाक नौसेना एकटा वक्तव्यमे कहलक, “हमसभ मछुआरासभकेँ गिरफ्तार कऽ लेलहुँ आ ओहि ट्रॉलरसभकेँ जब्त कऽ लेलहुँ जे माछ मारयवला ट्रॉलर छल। आगूक कारवाईक लेल हुनका सबकेँ कांकेसुंथराय नौसेना बंदरगाह आनल गेल। एतयसँ हुनका सभकेँ मैलाडीमे अधिकारीसभकेँ सौंपि देल गेल अछि।”

एम्हर तमिलनाडुक मुख्यमंत्री एम.के. स्टालिन विदेश मंत्री एस जयशंकरकेँ पत्र लिखि ११ तमिल मछुआराक गिरफ्तारीमे हस्तक्षेप करबाक माँग कयलनि अछि।

जनतब जे श्रीलंकाक नौसेना २०२४ मे एखन धरि तमिलनाडुसँ ३३३ भारतीय मछुआराकेँ गिरफ्तार कऽ चुकल अछि। संगहि, अवैध शिकार करयबाला ४५ भारतीय ट्रॉलर सेहो जब्त कयल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *