शिक्षा

वैदिक शिक्षाक दिशामे एक गोट प्रयास – सर्व विद्या गुरुकुलम

मुंबई
*

रविदिन, मुंबई उपनगर अंतर्गत केल्वे रोडमे, सर्व विद्या गुरुकुलम केर शिलान्यास एवं भूमि पूजन समारोह अति हर्षोल्लासक वातावरणमे संपन्न भेल। कार्यक्रमक शुरुआत, प्रातःकाल यज्ञ हवनक संग भेल, तत्पश्चात अतिथि सत्कारक संग गुरुकुलमके संबंधमे सविस्तार जानकारी प्रदान कएल गेल। जनतब दी जे, रामनगर (मायखोप) केलवे रोड (प) मे सर्व विद्या गुरुकुलम केर माध्यमसँ आधुनिक शिक्षाक संग – संग वैदिक शिक्षा, हर वर्गक लेल सहजतासँ उपलब्ध करएबाक नियार अछि। गुरूकुलम केर कुलपति डॉ कृष्णकुमार झा अप्पन सम्बोधनक क्रममे कहलनि कि, देशमे प्रचीनकालहिसँ गुरुकुल परंपरा प्रचलित रहल अछि जे, विगत किछु दशकमे कतियाओल गेल अछि। मुदा आब जहन देश आर्थिक विकासक संग-संग आध्यात्मिक आ सांस्कृतिक विकासक मार्ग पर पुनः अग्रसर अछि त’ एकटा न्यासक माध्यमे सर्व विद्या गुरुकुलम, एहि परिकल्पनाके धरातल पर साकार करबाक योजना अछि। उपकुलपति डॉ जगदीश शास्त्री द्वारा उपस्थित तमाम दर्शकक समक्ष आगुक योजना आ रुपरेखा स्पष्ट रूपसँ राखल गेल। मानल जाइत अछि कि शिक्षित व्यक्तिकेँ, साहित्य, कला, संगीत आदिक समझ अवश्य होयबाक चाही, व्यक्तिकें जीवनक उच्च आदर्शक ज्ञान होयब सेहो आवश्यक अछि। पूर्वजक परंपरा संगहि संस्कृतिक रक्षा करब सेहो एकटा शिक्षित व्यक्तिक कर्तव्य अछि। वैदिक शिक्षासँ सम्पूर्ण देशमे किछु एहने सन आधारभूत मूल्यक स्थापना भेल अछि जे, एखनहुँ सांस्कृतिक एकताक आधार अछि। वैदिक शिक्षा प्रणालीक तमाम गुण एखनहु प्रासंगिक अछि। जहिना वैदिककालीन शिक्षा नि:शुल्क होइत छल, गुरुकुलमे शिष्यसँ कोनो प्रकारक शुल्क नहिं लेल जाइत छलैक, तहिना एहि सर्व विद्या गुरुकुलममे छात्र सभकेँ निशुल्क शिक्षा देल जाएत। वैदिक शिक्षाक माध्यमे छात्रक शारीरिक, बौद्धिक, नैतिक, सांस्कृतिक, व्यावसायिक संगहि आध्यात्मिक विकास, इएह सर्व विद्या गुरुकुलमक उद्देश्य अछि। एहि समारोहमे मुंबई आ आसपासक अनेको मैथिल बुद्धिजीवी, जाहिमे मनोरमा झा, के के झा, विनोद कुमार झा, धर्मेंद्र कुमार झा, विनोद साह, सतीश झा, दीपक मैथिल, पंकज झा, रविंद्र झा, पंकज पाठक, फूल कुमार झा, अरुण चौधरी, उदय झा, आर यु झा संगहि आनो आन मैथिल अनुरागी उपस्थित छलथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *