विकास आ जरूरी काजक सूची मुख्यमंत्रीकेँ सौपलनि
*
सहरसा समदिया
*
मंगलकेँ सहरसा विधानसभा क्षेत्रक विधायक आलोक रंजन मुख्यमंत्री नीतीश कुमारसँ भेंट कय विधानसभामे अधूरा काज आ समस्या पर प्रकाश दैत पत्र सौंपलनि। विधायक आलोक रंजन कहलनि जे, सहरसाक समग्र विकास हुनकर प्राथमिकता अछि। एहि संबंधमे ओ मुख्यमंत्रीकेँ पत्र सौंपने छथि आ हुनका पूरा भरोसा अछि जे बिहार सरकार एहि सबटा समस्या पर ध्यान दैत मांगकेँ स्वीकार करत जकर जिक्र पत्रमे कयल गेल अछि।
एहिमे शहरी यातायातक समस्या सेहो शामिल अछि। जकर समाधान लेल सहरसा बंगाली बाजार ढाला पर आरओबी बनेबाक आग्रह कयल गेल अछि। सहरसा बाजारमे लोक केर रोज घंटों जामक सामना करय पड़ि रहल अछि। सहरसा बंगाली बाजार आरओबीक निर्माणसँ एहि समस्यासँ मुक्ति भेटत, एहि लेल फंड कैबिनेटसँ मंजूरी भऽ गेल अछि मुदा किछु बाधाक कारण एहि पर कोनो काज नहि भऽ रहल अछि ताहि लेल विधायक आलोक रंजन सेहो एहि पर मुख्यमंत्रीसँ मौखिक रूपसँ चर्चा कयलनि।जाहि संबंधमे मुख्यमंत्री आश्वासन देलनि कि जल्दीसँ जल्दी ई समस्याक समाधान होयत। संगहि ओवरब्रिज निर्माणक काज शुरू कयल जायत। ग्रामीण निर्माण विभाग कार्य प्रभाग सहरसाक तहत परित्यक्त बस्तीकेँ जोड़य वाला 54 सड़क आओर मुख्यमंत्री ग्रामीण सड़क उन्नयन योजनाक तहत सहरसाक 11 सड़कक निर्माणक लेल सेहो आग्रह कएल गेल अछि। एहि सब सड़कक निर्माणसँ सहरसाक ग्रामीण इलाकाक निवासीकेँ परिवहनक मामिलामे समस्याकेँ ध्यानमे रखैत दुभी नदी, रामनगर सहित 10टा नदी पुलक निर्माण कय मंजूरी देल गेल अछि। मुरली भरना नदी बरसातक मौसममे जल कटाई केर समस्या केर देखैत नालीक निर्माण आ सहरसा केर आंधी पानी केर निकासीक व्यवस्थाक आग्रह सेहो कयल गेल अछि।
खिलाड़ी सभक समस्या पर प्रकाश डालैत आ सहरसा जिला स्टेडियममे सुविधाक कमी केर ओर इशारा करैत 4×400 मीटर एथलेटिक्स सिंथेटिक ट्रैकक स्थापना लेल प्रस्ताव राखल गेल अछि। स्वास्थ्य संबंधी समस्याक प्राथमिकतामे राखि सहरसामे मेडिकल कॉलेजक निर्माण कार्य जल्दीसँ जल्दी शुरू करबाक आग्रह कयल गेल अछि ताकि सहरसाक लोककेँ समय-समय पर इलाज लेल बाहर नहिं जाए पड़य। सहरसाक लेल कलाक क्षेत्रमे मिथिला विभूति मांगन महतोजीक नाम पर कला विश्वविद्यालयक स्थापनाक मांग सेहो प्रमुख रुपसँ राखल गेल अछि। एहि विश्वविद्यालयक स्थापनासँ सहरसाक कला प्रेमीकेँ तऽ सुविधा भेटबे करत बल्कि राज्य भरिक कलाक छात्र एहि ठामसँ शिक्षा लऽ सकैत छथि। जिलाक सत्तरकटैया प्रखंडक अंतर्गत औकाहीसँ मुरलीबसंतपुर-महिडगरा घाट-बंनगांव-चैनपुर होइत कोपरिया तक बनेबाक विषय सेहो प्रस्तुत कयल गेल अछि। कियाक तऽ वर्तमानमे चैनल गादसँ भरल अछि। जाहि केर कारण पानिक निकासी नै भऽ पाबैत अछि। जकर परिणाम ई छै कि एकर वजहसँ किसानक खेती आ जमीन खराब भऽ रहल अछि। मुख्यमंत्री सभ मुद्दाक गंभीरतासँ लऽ कऽ ओकर समाधान शीघ्र करबाक आश्वासन देलनि।