नीतीश कुमार मंत्रिमंडलक बैसार मंगल दिन पटनामे भेल। बैठकमे पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल (पीएमसीएच) मे
४,३१५ पद सृजित करबाक प्रस्तावक मंजूरी देल गेल।
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षतामे भेल मंत्रिमंडलक बैसारमे कुल ३६ प्रस्तावकेँ मंजूरी देल गेल। पीएमसीएचकेँ ५,४६२ बिस्तरवला मेडिकल कॉलेज अस्पतालक रूपमे पुनर्विकासक बाद राष्ट्रीय चिकित्सा आयोग, नई दिल्लीक मानकक अनुसार संस्थानक कुल २९ अप्रयुक्त पदकेँ स्थानान्तरित कऽ विभिन्न स्तरक ४,३१५ नव पदक सृजनक स्वीकृति देल गेल अछि।
बैसारमे अवैध खनन आ लघु खनिजक परिवहनसँ सम्बन्धित सूचना देनिहारकेँ पुरस्कृत करबाक निर्णय कयल गेल। पुरस्कार देबाक योजनाकेँ मंजूरी देल गेल। पाटलिपुत्र खेल परिसर, कंकड़बागक उत्तरमे स्थित १.६ एकड़ जमीन खेल विभागकेँ हस्तांतरित करबाक लेल बिहार राज्य आवास बोर्ड, पटना द्वारा ४८ करोड़ टाका देल जायत।
बैसारमे बिहार राज्यक अन्तर्गत पर्यटकक सुविधाक लेल ‘मुख्यमंत्री होमस्टे बेड आ ब्रेकफास्ट प्रोत्साहन योजना २०२४’ केँ सेहो मंजूरी देल गेल। मानल जाइत अछि जे ई योजना पर्यटकसभकेँ अलग-अलग स्थान पर रहबामे सहायता करत।
आब पटनाक संजय गाँधी जैविक उद्यानमे खेलौना ट्रेन फेरसँ चलाओल जायत। बैसारमे पूर्व मध्य रेलवेकेँ दानापुर रेलवे डिवीजनक माध्यमसँ संजय गांधी बायोलॉजिकल पार्कमे बंद खिलौना ट्रेनकेँ ९८८.६० लाख रुपयाक लागतसँ पुनर्जीवित करबाक काज प्राप्त करबाक स्वीकृति देल गेल अछि।
कैबिनेट बैठकमे बिहार अवर सांख्यिकी संवर्ग संशोधन नियमावली-२०२४ केर सेहो मंजूरी देल गेल अछि आ खनन विभागमे नियुक्ति कयल जायत। मुख्यालय स्तर पर अतिरिक्त निदेशक (खनिज विकास) आ उप निदेशक (खनिज विकास) केर एक-एक पद नियुक्त कयल जायत।