वित्त-अर्थ

भारतमे अरबपतिक संख्या बढ़ि कऽ भेल ३३४, गौतम अदाणी आ परिवार शीर्ष, मुकेश अम्बानीकेँ दोसर स्थान

मुम्बई
*

भारतमे अरबपतिक संख्या बढ़ि कऽ ३३४ भऽ गेल अछि। ई पछिला सालक तुलना मे ७५ व्यक्ति बेसी अछि। ई जानकारी बृहस्पति दिन जारी ‘२०२४ हुरुन इंडिया रिच लिस्ट’मे देल गेल अछि।

‘२०२४ हुरुन इंडिया रिच लिस्ट’क अनुसार, गौतम अदाणी आ परिवार ११.६ लाख करोड़ टाकाक सम्पत्तिक सङ्ग सूचीमे शीर्ष पर छथि। हुनक सम्पत्तिमे ९५ प्रतिशतक रिकॉर्ड उछाल देखल गेल अछि।

एहि सूचीमे मुकेश अम्बानी १०,१४,७०० करोड़ टाकाक सम्पत्तिक सङ्ग दोसर स्थान पर छथि। एचसीएल टेक्नोलॉजीजक शिव नादर आ परिवार ३,१४,००० करोड़ टाकाक कुल सम्पत्तिक सङ्ग एहि सूचीमे तेसर स्थान पर अछि।

रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे देशमे १,००० करोड़ टाकासँ बेसी सम्पत्तिवला १,५३९ व्यक्ति छथि। एहिमे २२० नव नाम जोड़ल गेल अछि। संगहि सात सालमे एहिमे १५० प्रतिशतक उछाल देखल गेल अछि। एहिमे फैमिली बिजनेस, स्टार्टअप संस्थापक, प्राइवेट इक्विटी इन्वेस्टर, फिल्म स्टार आ एंजेल इन्वेस्टर आदि सम्मिलित छथि।

रिपोर्टमे आगू कहल गेल अछि जे पछिला साल देशकेँ प्रत्येक पाँचम दिन एकटा नव अरबपति भेटल। पछिला साल भारतमे अरबपतिक संख्यामे २९ प्रतिशतक वृद्धि भेल छल। एहि कारणेँ अरबपतिक संख्या बढ़ि कऽ ३३४ भऽ गेल अछि। चीनमे अरबपति व्यवसायीक संख्यामे २५ प्रतिशतक गिरावट आयल अछि।

हुरुन इंडियाक संस्थापक आ मुख्य शोधकर्ता अनस रहमान जुनैद कहलनि जे भारत ‘वेल्थ क्रिएशनक ओलम्पिक’मे लगातार स्वर्ण अर्जित कऽ रहल अछि। एहि सूचीमे उपस्थित ७० प्रतिशत लोकक कुल संपत्ति १.५ ट्रिलियन डॉलर अछि जे देशक सकल घरेलू उत्पादक एक तिहाई अछि।

ओ इहो कहलनि जे एहि सूचीमे आबयवला नव अरबपतिमे सँ ६४ प्रतिशत अपन बल पर अरबपति बनल छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *