चुनाव

तीन चरणक जम्मू-कश्मीर विधानसभा चुनावक दोसर चरणक अधिसूचना जारी

नई दिल्ली
*

जम्मू-कश्मीरमे विधानसभा चुनावक दोसर चरणक अधिसूचना जारी कऽ देल गेल अछि। अधिसूचनाक अनुसार नामांकन पत्र दाखिल करबाक अंतिम तिथि ५ सितम्बर अछि, जखन कि नामांकन पत्रक जांच ६ सितम्बरकेँ कयल जायत।

एहि चरणमे गांदरबल, श्रीनगर, बडगाम, राजौरी, पुंछ आ रियासी जिलाक २६ निर्वाचन क्षेत्रमे मतदान होयत। नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि ५ सितम्बर अछि आ अगिला दिन नामांकन पत्रक जाँच कयल जायत। नामांकन वापिस लेबाक अंतिम तिथि ९ सितम्बर अछि। मतदान २५ सितम्बरकेँ होएत।

परिसीमनक बाद विधानसभा प्रखंडक संख्या ८३ सँ बढ़ा कऽ ९० कऽ देल गेल अछि। ९० विधानसभा सीटक लेल तीन चरणमे मतदान होयत। २४, २६ आ ४० विधानसभा क्षेत्रमे १८, २५ सितम्बर आ १ अक्टूबरकेँ मतदान होयत। वोटक गिनती ४ अक्टूबरकेँ होएत।

ओतहि केन्द्र शासित प्रदेश जम्मू-कश्मीरमे १८ सितंबरकेँ होबयवला २४ विधानसभा क्षेत्रमे पहिल चरणक मतदानक लेल बुधकेँ नामांकन पत्रक जाँच कयल गेल। नामांकन पत्रक जांचक दौरान २७९ उम्मीदवारमे सँ २४४ उम्मीदवारक नामांकन वैध पाओल गेल। 35 उम्मीदवारक नामांकन पत्र खारिज कए देल गेल। कश्मीर घाटीमे २३ आ जम्मू संभागमे १२ नामांकन खारिज कयल गेल छल। चुनाव अधिसूचनाक अनुसार उम्मीदवार काल्हि 3 बजेसँ पहिने संबंधित निर्वाचन अधिकारीक कार्यालयसँ अपन नामांकन वापस लऽ सकैत छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *