यातायात

आ आब राजमार्ग पर एकटा गलती लेल स्वतः कटि जाएत भारी भरकम चालान

सीतामढ़ी समदिया
*

आब एनएच पर पास करबासँ पहिने वाहनक फिटनेस, प्रदूषण, बीमा, अपन वाहनक कर सहित सभ दस्तावेजकेँ ठीक करू, अन्यथा अहाँकेँ भारी जुर्माना देबय पड़ि सकैत अछि। एकरा लेल रुन्नीसैदपुर टोल प्लाजा पर ई-डिटेक्शन सिस्टम बहाल कऽ देल गेल अछि। ई प्रणाली ८ अगस्तसँ एनएच-२२ पर रुन्नीसैदपुरक टोल प्लाजापर काज कऽ रहल अछि। एखन धरि दर्जनों वाहन मालिककेँ ऑनलाइन संदेश सेहो भेटल अछि। ई-डिटेक्शन सिस्टम मे टोल प्लाजा पर लागल सीसी कैमराक संग एहन व्यवस्था कयल गेल अछि जे जँ वाहनक कागज अपडेट नहिं अछि तऽ चालान स्वतः काटि लेल जायत आ एकर मैसेज वाहन मालिकक पंजीकृत मोबाइल फोन पर आबि जाएत।

जिला परिवहन अधिकारी स्वप्निल कहलनि जे टोल प्लाजा पर सीसीटीवी आ अन्य उपकरण लगाओल गेल अछि। एकर मदतिसँ गाड़ीक जाँच कएल जा रहल अछि। जाहि वाहनमे प्रदूषण, बीमा आ परमिट विफलता होयत ओकर चालान स्वतः भऽ जायत। ओ कहलनि जे टोलसँ पठाओल गेल चालानमे एकटा लिंक सेहो साझा कयल जायत। अहाँ एहि लिंकक मदतिसँ चालान जमा कऽ सकैत छी। ई चालान टोल प्लाजा पर दिनमे मात्र एक बेर काटल जायत। एकर जानकारी संबंधित वाहन मालिककेँ मोबाइल नंबर पर भेजल जा रहल अछि।

राज्यमे सड़क दुर्घटनामे सभसँ बेसी मृत्यु राष्ट्रीय राजमार्ग पर भs रहल अछि। एकरा नियंत्रित करबाक लेल ई आवश्यक अछि जे वाहन फिटनेस, परमिट, बीमा, मोटर वाहन कर आदिक अनुपालनकेँ सख्तीसँ लागू कयल जाय। ओ कहलनि जे ई-चालानक बाद कर आ अन्य चूककर्ता वाहनक संख्या कम भऽ जायत। एहिसँ मोटर वाहन अधिनियमक उल्लङ्घन करयवला वाहनक पहिचान करब आसान भऽ जायत आ ओहिसँ जुर्माना सेहो वसूल कयल जा सकैत अछि। एहिसँ बिना परमिटक चलयवला वाहन पर सेहो अंकुश लागत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *