राजनीति

नवम बेर नीतीश कुमार मुख्यमंत्रीक लेलनि शपथ 

आब पुनः भाजपाक संग अयलाह

*

पटना

*

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार काल्हि अर्थात २८-०१-२०२४ केँ नवम बेर मुख्यमंत्रीक शपथ लेलनि। एक्कहि दिनमे राजदसँ गठबंधन तोड़ि त्यागपत्र आ पुनः भाजपाक संग लय मुख्यमंत्री पदक शपथ लेलनि।

नीतीश कुमार मात्र ७ दिनक लेल पहिल बेर बिहारक मुख्यमंत्री बनलाह। भले नीतीश कुमारक संग कोनो पार्टी होय, भले ओकर पास जेडीयूसँ बेसी सीट हो, मुदा सीएम केर चेहरा बिहारमे नीतीशे कुमार होइत छथि।

बिहारमे सत्ताक परिवर्तन पुनः भेल। रवि दिन नीतीश कुमार मुख्यमंत्री पदसँ इस्तीफा दऽ देलखिन, एकरा संग बिहारमे नव सरकार बनेबाक रास्ता सेहो साफ भ गेल अछि। प्राप्त जानकारीक अनुसार नीतीश कुमार रविदिन साँझ ५ बजे एक बेर फेर बिहारक मुख्यमंत्रीक पदभार ग्रहण कयलनि। मुदा, एहि बेर हुनकर सहयोगी महागठबंधनक बदला एनडीए सहित अन्य दल अर्थात भाजपा होयत।

एहि सम्बन्धमे राजगक एकटा संयुक्त बैसार सेहो भेल छल। नीतीश कुमार नवम बेर बिहारक मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलाह। जँ नीतीश कुमारक राजनीतिक जीवनक बात करब तखन लगभग २४ सालक एहि राजनीतिक कालमे नीतीश कुमार एखन धरि आठ बेर बिहारक मुख्यमंत्रीक कुर्सी सम्हारि चुकल छलथि, ई नवम बेर शपथ लेलनि अछि।

नीतीश कुमारक संग शपथ समरोहमे २ कुर्मी, २ भूमिहार आ १ राजपूतक संग ९ अन्य नव सरकारमे मंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि।

नितीश कुमार- सीएम जदयू, सम्राट चौधरी डिप्टी सीएम बीजेपी, विजय सिन्हा डिप्टी सीएम बीजेपी, विजय चौधरी मंत्री जदयू , बिजेंद्र यादव मंत्री जदयू, श्रवण कुमार, मंत्री जदयू, प्रेम कुमार मंत्री बीजेपी, संतोष सुमन मंत्री हम, सुमित कुमार सिंह मंत्री निर्दलीय।

बिहारक मुख्यमंत्री बनबासँ पहिने नीतीश कुमार अटल बिहारी वाजपेयीक नेतृत्ववला केन्द्र सरकारमे मंत्री सेहो छलाह।

नीतीश कुमार पहिल बेर ३ मार्च २००० केँ बिहारक मुख्यमंत्री बनलाह। नीतीश कुमार दोसर बेर २४ नवम्बर २००५ केँ मुख्यमंत्री बनलाह। नीतीश कुमार तेसर बेर २६ नवम्बर २०१० केँ सत्तामे अयलाह। नीतीश कुमार २२ फरवरी, २०१५ केँ चारिम बेर बिहारक मुख्यमंत्री बनलाह। एकर बाद २० नवम्बर २०१५ केँ नीतीश कुमारकेँ पाँचम बेर ताज पहिराओल गेल। नीतीश कुमार २७ जुलाई, २०१७ केँ छठम बेर बिहारक मुख्यमंत्री बनलाह। नीतीश कुमार १६ नवम्बर २०२० केँ सातम बेर बिहारक मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि। नीतीश कुमार आठम बेर ९ अगस्त, २०२२ केँ बिहारक मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि। नीतीश कुमार २८ जनवरीकेँ नवम बेर बिहारक मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *