जनसरोकार

ग्रामीण भारतक सशक्तिकरणक लेल पंचायती राज मंत्रालयक राष्ट्रीय पंचायत सम्मेलन

हैदराबाद
*

पंचायती राज मंत्रालय राष्ट्रीय ग्रामीण विकास आ पंचायती राज संस्थान (एनआईआरडी एंड पीआर)क सहयोगसँ २२ अक्टूबरकेँ हैदराबादमे राष्ट्रीय पंचायत सम्मेलनक आयोजन होयत। ‘जीवन को सरल बनाना : जमीनी स्तर पर सेवा वितरण को बढ़ाना’ विषयक एहि सम्मेलनक उद्देश्य पंचायत प्रतिनिधि आ निर्वाचित प्रतिनिधिसभकेँ ग्रामीण सेवा वितरणक पहुँच बढ़ेबाक लेल सेवा वितरणमे चुनौती, अनुभव आ नव अवसरपर चर्चा करबाक लेल एकटा मंच प्रदान करब अछि।

पंचायत सम्मेलनक दौरान जमीनी स्तर पर सेवाक गुणवत्ता आ ओकर पहुँच बढ़ेबाक लेल डिजिटल उपकरणक उपयोग पर गहन चर्चा होयत। सम्मेलनक मुख्य ध्यान भाषा अनुवाद मंच भाषिणी, यूनिसेफक रैपिडप्रो, एकटा संचार मंच आ ऑनलाइन सेवा वितरण प्रणाली सर्विसप्लस सहित डिजिटल सार्वजनिक उपकरणक उपयोग पर होयत। ई उपकरण सेवा प्रदानमे अन्तिम अन्तरकेँ कम करबामे आ ग्रामीण क्षेत्रमे सेवाकेँ सुविधाजनक बनयबामे महत्वपूर्ण भूमिका निभाओत।

हैदराबादमे आयोजित कयल जा रहल पहिल क्षेत्रीय कार्यशाला सेवा प्रदानक गुणवत्ताक मानक निर्धारित करबाक आ राज्यक बीच सहयोगकेँ बढ़ावा देबाक एकटा पैघ पहलक हिस्सा अछि। आन्ध्र प्रदेश, गुजरात, झारखंड, मध्य प्रदेश, मिजोरम, ओडिशा आ तेलंगानाक प्रतिनिधि ग्रामीण शासनमे सुधारक राज्य-विशिष्ट रणनीतिपर चर्चा करताह आ सफल उदाहरण साझा करताह जे अन्य राज्य सेहो अपना सकैत अछि। वाधवानी फाउंडेशन प्रौद्योगिकी आधारित सेवाक वितरणमे सुधारक किछु उदाहरण प्रस्तुत करत। ई उदाहरण पंचायत स्तर पर सेवा वितरणकेँ बेसी प्रभावी बनयबाक लेल व्यावहारिक आ तकनीकी समाधान प्रदान करत।

मंत्रालयक ई पहल ग्रामीण शासनकेँ आओर मजबूत करत, जाहिसँ नागरिककेँ आवश्यक सेवाक आसान पहुँच भेटत। एहि कार्यशालासभक उद्देश्य सेवा प्रदानमे चुनौतिसभक सामना करब आ पञ्चायतसभक लेल व्यावहारिक नव समाधान प्रदान केनाइ अछि जकरा राज्यसभमे लागू कयल जा सकैत अछि। एहि अवसर पर पंचायती राज मंत्रालयक सचिव विवेक भारद्वाज, एनआईआरडी एंड पीआरक महानिदेशक डॉ. जी. नरेन्द्र कुमार, पंचायती राज मंत्रालयक संयुक्त सचिव आलोक प्रेम नागर आ तेलंगाना सरकारक पंचायत राज एवं ग्रामीण विकास विभागक सचिव लोकेश कुमार डी. एस. सम्मिलित हेताह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *