विधि-व्यवस्था

जनसम्पर्क अभियानक लेल सदनक उपयोग नहिं करथि सांसद : ओम बिड़ला

नई दिल्ली
*

लोकसभा अध्यक्ष ओम बिड़ला सांसदसभकेँ सदनक गरिमा बनाकऽ रखबाक सलाह दैत एहेन सांसदसभकेँ सलाह दैत फटकार लगौलनि अछि, जे सदनक कार्यवाहीक दौरान अपन सीटसँ उठि आ अन्य सांसद आ वरिष्ठ नेताक लग जाय बातचीत करैत, जनसम्पर्क अभियान करैत देखल जाइत छथि।

सोमदिन लोकसभाक कार्यवाहीक दौरान एहेन सांसदसभकेँ सलाह दैत अध्यक्ष ओम बिड़ला कहलनि जे बहुत रास सदस्य (सांसद) सदनमे अबैत छथि आ एतय जनसम्पर्क अभियान करैत छथि। हम नाम नहिं लेबय चाहैत छी एखनि, मुदा अगिला बेर एहेन हरकत अर्थात जनसंपर्क पर नाम लऽ पुकारल जाएत।

बिड़ला सोमदिन सदनमे एहन करयवलासभकेँ कठोर चेतावनी दैत कहलनि, “वरिष्ठ सदस्य (वरिष्ठ सांसद) सेहो छथि जे जनसम्पर्क करैत छथि।

वरिष्ठ सांसदकेँ सलाह देलाक बाद लोकसभा अध्यक्ष पश्चिम बंगालक जादवपुरसँ पहिल बेर टीएमसी सांसद सयानी घोषकेँ मत्स्य पालन, पशुपालन आ डेयरी मंत्रालयसँ सम्बन्धित अनुदानक माँग पर सदनमे चर्चाक लेल बजेबाक अनुमति देलनि।

अपन भाषणक दौरान जहिना ओ अपन पार्टीक नेता ममता बनर्जी आ अभिषेक बनर्जीकेँ धन्यवाद देबय लगलाह, अध्यक्ष हुनका संसदीय परम्पराक विषयमे सेहो सलाह देलनि आ कहलनि जे ई सदन अछि आ एहि तरहेँ ‘एहि नेता आ ओ नेतासभ’केँ सदनमे धन्यवाद नहिं देल जाइत अछि, एतय मात्र चर्चाक विषय पर बाजल जाइत अछि।
टीएमसी सांसद नीति आयोगक बैसारक घटनाक विषयमे सेहो बजबाक प्रयास कयलनि, जकरा अध्यक्ष अनुमति नहिं देलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *