धर्म-संस्कृति

शिवरात्रि पाबनि पर भक्तगण द्वारा खड़ाऊ यात्रा

सहरसा समदिया
*

शुक्रकेँ भोरे 5:15 बजे चरण पादुका यात्रा साधना स्थान खजुरी अंचल सिमरी बख्तियारपुरसँ मुख्य मार्ग चैनपुर पररी, बनगांव वासुदेबा, राहुवा, सिहोल बिहारा पंचगछिया बेला तुनियाही पुरीख होइत बैकुण्ठ धाम लक्ष्मीनाथ गोसाई कुटी परासरमा मुख्य पुजारी दिनेश बाबा केँ सौपि गोसांई जीकेँ पादुका चढ़ाओल गेलनि। सेवक प्रभाकर कहलनि जे, शिवरात्रिक शुभ अवसर पर जखन भक्त लोकनि शिव मंदिरमे जलाभिषेक कयलनि तऽ गोसाईं भक्त पैदल चललनि आ 7:30 घंटामे 32 किलोमीटरक दूरी तय कयलनि।आइ नव पीढ़ीक बच्चा सभ खड़ाऊकेँ चिन्हबो नहिं करैत अछि, पहिरब त’ दूरक गप्प।
नव फैशनक दौड़मे बुजुर्ग लोकनि सेहो खराम पहिरब लगभग छोड़ि देने छथि । खरामक महत्व तक नै जनैत छथि, खराम नहिं मात्र कंकड़-काँटसँ बचाबैत अछि। बल्कि मानव शरीरमे करोड़ों नस मौजूद अछि। जाहिमे किछु नसमे प्राणक प्रवाह बंद होयबाक कारण रोज नव-नव रोग उत्पन्न होइत अछि। खड़ाऊ पहिरलासँ शरीरक रोग धीरे-धीरे खतम भऽ जाइत अछि। आलस्य दूर होबय लगैत अछि। अनिद्राक शिकायत सेहो दूर भऽ जाइत अछि। ई तुरंत जोड़क दर्द आ बैसयमे कठिनाई केर दूर करैत अछि। आध्यात्मिक आ वैज्ञानिक दुनु लाभ भेटैत अछि।
यात्राकेँ सफल बनेबाक लेल साधना स्थानक प्रशासक राजनन्दिनी, पंडित राजकुमार मिश्र, पंडित संतोष कुमार मिश्र, डॉ. उदय कुमार मिश्र, डॉ. रंजीत मिश्र, डॉ. ध्रुव कुमार चौधरी, बैजू बैद्यनाथ मृदुला देवी, विशाल खेतान, सुजय कुमार सिन्हा आदि अपन सहयोग प्रदान कयलनि।

Spread the love