जनसरोकार बिहारमे स्मार्ट मीटर द्वारा सही जानकारी नहि भेटलासँ १०,००० सँ बेसी उपभोक्ताकेँ परेशानी October 23, 2024 Maithil Punarjagran Prakash पटना समदिया * बिहारमे बिजली कम्पनीक नेटवर्कसँ १०,००० सँ बेसी स्मार्ट प्रीपेड मीटरक कनेक्शन टूटि गेल अछि। एजेंसी द्वारा मीटर लगयबाक सङ्ग-सङ्ग बिजली कम्पनीक अभियन्ता सेहो ओकरा जोड़बाक लेल लगातार संघर्ष कऽ रहल छथि। मुख्यालयक अधिकारीसभक अनुसार, मीटरक सर्वरसँ सम्पर्क टूटबाक कारणेँ ई समस्या अछि। बहुत रास उपभोक्ताक बिजलीक आपूर्ति होइत अछि, मुदा प्रतिदिन पाइ नहि काटल जाइत अछि। किछु मामिलामे उपभोक्ता रिचार्ज भेलाक बाद आपूर्ति शुरू नहि होयबाक शिकायत करैत रहैत छथि। स्मार्ट मीटर लगलाक बाद प्रारंभिक चरणमे संचार नहि होयबाक मामिला छल। अर्थात मीटरमे लागल मोबाइल सिमक नेटवर्क गायब भऽ जाइत छल। एहेन मीटरक हाथसँ मरम्मत कएल गेल छल। मुदा, सबसँ पैघ समस्या सर्वरसँ स्मार्ट प्रीपेड मीटरक डाटा गायब अछि। इंजीनियरसभकेँ एहेन मीटर तकबामे आ आपूर्ति शुरू करबामे बहुत कठिनाई भऽ रहल अछि। पटना ग्रामीण क्षेत्रक कुरकुरी गाममे १९ सितम्बरकेँ स्मार्ट प्रीपेड मीटर लगाओल गेल छल। लेकिन, एखन धरि उपभोक्ता सभकेँ बिजलीक खपतक जानकारी नहि भेटि रहल अछि।अभियन्ताक कहब छनि जे एजेंसीक कर्मीक लापरवाही समस्याक कारण बनि रहल अछि। मीटर इंस्टॉल करबाक समय लोकेशन ठीकसँ अपलोड नहि कएल गेल अछि. संगहि स्ट्रीट वेंडर वलाके बिजली कनेक्शन सेहो देल गेल अछि। अतिक्रमण हटलाक बाद एहेन मीटर खोजब कठिन भऽ गेल अछि। Spread the love