चुनाव

हरियाणामे चुनाव लड़ि रहल छोट-छोट दल पर भाजपाक रिमोट कंट्रोल : राहुल गांधी

अम्बाला
*

कांग्रेस नेता राहुल गांधी हरियाणा विधानसभा चुनावकेँ लऽ कऽ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) पर तीक्षण हमला कयलनि अछि। एकटा रैलीक दौरान राहुल गांधी कहलनि जे हरियाणामे चुनाव लड़य बला छोट-छोट दल भाजपाक इशारापर काज कऽ रहल अछि। ओ आरोप लगओलनि जे एहि दलसभक वास्तविक रिमोट कंट्रोल भाजपा लग अछि आ ई सभ ओकर रणनीतिक मात्र हिस्सा अछि।

नेता प्रतिपक्ष आ कांग्रेस सांसद राहुल गांधी कहलनि, “ई छोट-छोट दल सभ भाजपाक नियंत्रणमे अछि। लड़ाई कांग्रेस आ भाजपाक बीच अछि, अहाँ कांग्रेस पार्टीकेँ समर्थन करू, कांग्रेस पार्टीक सरकारकेँ एतय लाउ। अरबपतिक लेल रोज अहाँक जेबसँ जे पाइ छीनल जा रहल अछि ओकरा रोकि दियौक, हम अहाँक जेबमे पाइ राखय चाहैत छी।

हरियाणामे आगामी विधानसभा चुनावसँ पहिने अम्बालामे एकटा जनसभाकेँ सम्बोधित करैत कांग्रेस नेता राहुल गाँधी कहलनि जे अडानी खेतमे कठिन परिश्रम नहिं करैत छथि, कोनो छोट व्यापार नहिं करैत छथि। मुदा रोज भोरमे सुनामी जकाँ हुनक बैंक खातामे पाइ आबि रहल अछि।सुनामी जकाँ हुनक खातामे जतेक पाइ घुसि रहल अछि, ओतबे पाइ अहाँक बैंक खातासँ तुफान जकाँ निकलि रहल अछि।

कांग्रेस सांसद आ लोकसभामे विपक्षक नेता राहुल गांधी कहलखिन, “महिला शक्ति योजनाक तहत महिलाक बैंक खातामे हर महीना २००० रुपया जमा कयल जायत। रसोई गैस सिलेंडर ५०० रुपयामे देल जाएत। हम सामाजिक सुरक्षाक लेल पुरान पेंशन योजना केर फेरसँ लागू करब आ हर महीना विधवा, बुजुर्ग आ दिव्यांगक बैंक खातामे ६,००० रुपया जायत। एमएसपी केर गारंटी देल जाएत।

कांग्रेस महासचिव प्रियंका गांधी वाड्रा कहलनि, “एहिठामक किसान पूरा देशक खाद्य प्रदाता अछि। अहां आन्दोलन कयलौंह, अहांकेँ कहल गेल छल जे अहां के एमएसपी भेटत, अहाँकेँ धोखा देल गेल, युवाकेँ रोजगार नहिं भेटल, अहां देखलहुं जे हालमे ओलम्पिकमे की भेल छल, सरकार अहांक लेल किछु नहिं कए रहल अछि। एकोटा भर्ती नहिं होइत अछि।”

पूर्व मुख्यमंत्री भूपेन्द्र सिंह हूडा कहलनि जे राहुल गांधी, ‘भारत जोड़ो यात्रा’ कयलनि, जकर बाद देशभरिक श्रमिकसभमे एकटा नव ऊर्जाक संचार भेल। आइ पूरा देश हरियाणा दिसि देखि रहल अछि। पूरा हरियाणामे मात्र एकटा आवाज उठि रहल अछि जे कांग्रेस आबि रहल अछि आ भाजपा जा रहल अछि। हमर ३६ बिरादर मन बना लेलक अछि – हरियाणामे ‘अबकी बार कांग्रेस की सरकार।’

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *