प्रशासन

नागरिक सुरक्षा लेल थाना पर भेल बैसार

राजनगर समदिया
*

मधुबनी जिलाक राजनगर थानामे थाना अध्यक्ष सचिन कुमारक नेतृत्वमे एकटा महत्वपूर्ण बैसारक आयोजन कयल गेलl जाहिमे सैकड़ों व्यवसायी शामिल भेलाह। सभ स्वर्णकार लोकनि एवं बैंक सीएसपी केर प्रतिनिधि सभकेँ आमंत्रित कऽ सुरक्षासँ संबंधित आवश्यक निर्देश देल गेल। बैठकमें बढैत अपराधक मद्देनजर सभ व्यवसायिकेँ जागरूक कयल गेल। थाना अध्यक्ष सुझाव देलनि कि अपन-अपन शोरूम आ दुकानक भीतर आ बाहर सीसीटीवी कैमर आ अलार्म अनिवार्य रूपसँ लगाऊ। एकर अतिरिक्त, ओ मोटरसाइकिल चलनिहार नागरिकसँ अपील कयलनि कि ओ अपन अपन गाड़िमे जीपीएस सिस्टम स्थापित करू, ताकि अपराधीकेँ पकड़यमे सुविधा भऽ सकय।

एहि बैसारक उद्देश्य क्षेत्रमे सुरक्षा व्यवस्था केर मजबूत करब आ नागरिकक बीच जागरूकता पसारब छल, जाहिसँ कि अपराध पर नियंत्रण राखल जा सकय । मौका पर अन्य व्यवसायी सभ उपस्थित छल आ सभ लोकनि प्रशासनक दिशा-निर्देशक पालन करबाक आश्वासन देलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *