अपराध

माछ बेचनिहार पर गोली चलाबय वाला दू गोट बदमाशक संग अन्यान्य कांडमे कुल 6 बदमाश भेल गिरफ्तार

सहरसा समदिया
*

लोकसभा चुनाव केर देखैत जिलामे कानून व्यवस्था कायम रखबाक लेल पुलिस अधीक्षककेँ निर्देश पर शून्य सहिष्णुता नीतिक पालन कयल जा रहल अछि। एहि सिलसिलामे कुल 6 गोटे विभिन्न मामगलाक आरोपी नशा आ अवैध हथियार संग गिरफ्तार कयल गेल। पुलिस अधीक्षकक निर्देश पर अपराधी सबकेँ गिरफ्तार करबाक लेल छापामारी अभियान चलाओल जा रहल अछि। वृहस्पति दिन पुलिस अधीक्षक हिमांशु पत्रकार सम्मेलनक आयोजन कऽ उपरोक्त जानकारी देलनि । ओ कहलनि जे, जिलाक टीओपी दू केर प्रभारी सनोज कुमारकेँ गुप्त सूचना भेटल जे कतेको मामिलामे फरार अपराधी सुमन साह उर्फ सुमन बजरंगी अपन अन्य सहयोगीक संग कहरा रोडमे घुमैत छल। जकर इरादा संभवतः कोनो घटना केर अंजाम देब छल। जखन पुलिस सूचनाक सत्यापन आ गिरफ्तारीक लेल कहरा कुटी मुढी मिल लग पहुंचल, तऽ अपराधी सभ भागय लागल। उक्त अपराधीमे सुमन बजरंगी अपन एकटा आओर सहयोगीक संग भागि गेल। ओतहि तीन अपराधी पुलिस बलक मददसँ पकड़ल गेल। जकर तलाशीक दौरान तीनूमे सँ एक सचिन कुमार लगसँ 9 एमएम केर देशी निर्मित पिस्तौल आ एकटा गोली बरामद कयल गेल। ओ कहलनि जे, गिरफ्तार अपराधी महिषी थानाक बघवा गाम निवासी देवेंद्र यादवक पुत्र सचिन कुमार, नवहट्टा थानाक नारायणपुर निवासी कृष्ण कुमारक बेटा दिलखुश कुमार आ वीरेंद्र कुमार विमलक पुत्र रविन्द्र कुमार अछि। पुलिस अधीक्षक कहलनि जे, महिषी थाना क्षेत्रक अंतर्गत बलुआहा चौकसँ राजनपुर जा रहल कोसी बांध सड़क पर एकटा कारक ट्रंकमे प्लास्टिक केर थैलीमे राखल गांजा भेटल अछि। जिनकर कुल मात्रा 23 किलो 600 ग्राम पाओल गेल। गिरफ्तार आरोपी सुपौल जिलाक भवटिया थाना निवासी बद्रीनारायण मंडलक पुत्र सुनील कुमार मंडल अछि। ओकरासँ एकटा क्विड कार, एकटा मोबाइल आ गांजा बरामद कयल गेल अछि। एकटा आओर मामिलाक संबंधमे जानकारी दैत पुलिस अधीक्षक कहलनि जे, बसनाही थाना क्षेत्रक महुआ बाजारमे स्थित माछ बाजारमे बीरबल सहनी पिता बेचन साहनीकेँ किछु अपराधी गोली मारि घायल कऽ देलक। सूचना भेटैत देरी घायल बीरबल सहनीकेँ बसनाही थाना द्वारा इलाजक लेल सदर अस्पताल लऽ गेल। एहि संबंधमे बसनही थानामे हथियार अधिनियमक तहत मामिला दर्ज कयल गेल। ओ कहलनि जे, उक्त घटनामे शामिल अपराधीकेँ गिरफ्तार करय लेल अनुमंडल पुलिस अधिकारी सिमरी बख्तियारपुरक नेतृत्वमे विशेष टीमक गठन कयल गेल। संगहि टीम तत्काल कार्रवाई कयलक आ तकनीकी शोध आ मानव जानकारीक मददसँ घटनामे शामिल अपराधीकेँ गिरफ्तार कयल गेल। ओ कहलनि जे, एहि संबंधमे मधेपुरा जिलाक उदाकिशनगंज थानाक छर्रापट्टी गाम निवासी ललन यादवक पुत्र अभिनव कुमार आ संजय यादवक बेटा हिमांशु कुमारकेँ गिरफ्तार कयल गेल अछि। ओ कहलनि जे, एहि टीममे अनुमंडल पुलिस अधिकारी सिमरी बख्तियारपुर, बसनही थाना प्रमुख संतोष कुमार निराला, महिषी थाना प्रमुख अमरनाथ कुमार, टॉप 2 प्रभारी सनोज कुमार, सदर थाना मनीष कुमार आ सब पुलिस थानाक सशस्त्र बलक जवान शामिल छलाह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *