मौसम

अप्रैलसँ आसमान पर तापमान, आपदा विभाग जिलासभकेँ ‘लू’ लेल कयलक सतर्क

पटना समदिया
*

आपदा प्रबंधन विभाग सभ डीएम आ विभागकेँ सतर्क कऽ देलक अछि जे हिट लहर आ गर्मीक अवधिमे आगि लगबासँ रोकल जा सकय। विभागक अनुसार, राज्यक अधिकांश भागमे अधिकतम आ न्यूनतम तापमान सामान्यसँ बेसी बढ़य लागल अछि। एहन स्थितिमे जीवन प्रभावित होयबाक सम्भावना बढ़ि सकैत अछि। संगहि आगि लगबाक घटना रोकबाक लेल जिलामे आपातकालीन नम्बर जारी करय, अग्निशमन दलक वाहन आ अधिकारीक समय पर घटनास्थल पर पहुँचबाक आ राहत कार्य पूरा करबाक जिम्मेदारी तय करी। आम लोककेँ गर्मी आ लू’क लहरसँ बचाबय लेल राज्यमे लोकसभकेँ जागरूक करू जे लू’क दौरान की करी आ की नहि करी। संगहि जिला आ ब्लॉक स्तर पर नोडल अधिकारीक नाम सार्वजनिक करी। जिला मजिस्ट्रेटकेँ नियमित रुपसँ लोकसभकेँ गर्मी आ लू’क विषयमे सेहो सूचित करबाक चाही। विभाग शहरी विकास आ आवास विभाग, स्वास्थ्य विभाग, पीएचईडी, शिक्षा विभाग, समाज कल्याण विभाग, पशु आ मत्स्य संसाधन विभाग, ग्रामीण विकास विभाग, पंचायती राज विभाग, श्रम संसाधन विभाग, परिवहन, ऊर्जा विभागकेँ अपन स्तर पर आम आदमीक हितमे काज करय केर निर्देश देलक अछि, जाहिसँ दवाई, पानि आदि समस्या नहिं होय।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *