स्वास्थ्य

जीवन हाॅस्पिटल बेनीपुर कयलक निःशुल्क स्वास्थ्य जांच शिविरक आयोजन

बेनीपुर समदिया
*

नगर परिषद क्षेत्रक धेरुख गाममे जीवन हॉस्पिटल बेनीपुरक दिसिसँ नि:शुल्क स्वास्थ्य जांच शिविरक आयोजन कयल गेल। एहि दौरान जीवन हाॅस्पिटल बेनीपुरक निदेशक डॉ० आर० के० झा केर नेतृत्वमे आधा दर्जनसँ बेसी चिकित्सकक टीम लगभग एक हजारसँ बेसी लोकक स्वास्थ्य परीक्षण कऽ मुफ्त दवाई उपलब्ध करौलनि।

जीवन हाॅस्पिटल बेनीपुरक निदेशक डॉ० झा कहलनि जे शिविरेमे मरीज सभकेँ चिकित्सकक निर्देशानुसार पैथोलॉजीकल जांच कय कऽ जांच रिपोर्टक आधार पर दवाई उपलब्ध कराओल गेल । जीवन हॉस्पिटल द्वारा लगातार प्रखंड क्षेत्रक विभिन्न गाममे निःशुल्क चिकित्सा शिविर लगाओल जयबासँ ग्रामीण क्षेत्रक आर्थिक रूपसँ कमजोर लोक आ निस्सहाय दिव्यांग सभकेँ काफी लाभ भेटि रहल अछि।

शिविरमे उपस्थित बाबा नागार्जुन स्मृति मंचक अध्यक्ष ऋषभ कुमार आ सचिव हंसिका कश्यप कहलनि जे जीवन अस्पताल बेनीपुर दिसिसँ गामे गाम लगातार स्वास्थ्य शिविर लगाओल जा रहल अछि। एहि तरहक शिविरक आयोजनसँ लोक सभकेँ जतय मुफ्तमे जांच भऽ जाइत छैक ओतहि मुफ्तक दवाई संग-संग स्वास्थ्य संबंधी जानकारी सेहो सभकेँ भेटि जाइत छैक।

शिविरमे डॉ० रीमा सिंह रीमी , डॉ० विनय कुमार , डॉ० प्रवीण कुमार , कर्मी संतोष कुमार, बासूकीनाथ झा , गंगा कुमार , बम बम कुमार सहित अन्य कर्मी मौजूद छलथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *