Jyotish २१-०५-२०२४, मंगल आजुक राशिफल :- (ज्यो. पं. अजय नाथ झा शास्त्री ) Maithil Punarjagran Prakash May 20, 2024May 20, 2024 0 Comments आजुक राशिफल :- (ज्यो. पं. अजय नाथ झा शास्त्री ) मुख्य प्रभावी ग्रह : बुध मेष (चू चे चो ला ली लू ले लो आ) : अनुकूल ग्रह – चंद्र समय अनुकूल अछि। मनोकामनाक पूर्ति संभव। आलस्यसँ बँची, सावधानी पूर्वक अपन काजमे आगू बढ़ैत रहू। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। वृषभ (इ उ ए ओ वा वी वू वे वो) : अनुकूल ग्रह – चंद्र समय सुधरयवाला अछि। अपन काजमे मोन लगाबी। आशा सफलीभूत होबाक हेतु अग्रसर अछि। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। मिथुन (का की कू घ गं छा के को हा) : अनुकूल ग्रह – धीरजपूर्वक अनुकूलताक प्रतीक्षा करी। कठिन परिश्रमसँ लाभ संभव। सहनशीलता लाभदायक होयत। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। कर्क (ही हू हे हो डा डी डू डे) : अनुकूल ग्रह – अनुकूलताक प्रतीक्षा करु, तन्मयतापूर्वक अपन काजमे लागल रही, अनावश्यक दखल अंदाजीसँ बँची। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। सिंह (मा मी मू मे मो टा टी टू टे) : अनुकूल ग्रह – चंद्र अनुकूल समय अछि। आमदक स्थित उत्तम। कर्मठतासँ लाभ, बन्धु बान्धवमे प्रसन्नता। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। कन्या (टो पा पी पु षा णा ठा पे पो) : अनुकूल ग्रह – औसत अनुकूल समय रहत, अपन काजमे लागल रही, अनावश्यक दखलसँ बँची। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। तुला (रा री रु रे रो ता ती तू ते) : अनुकूल ग्रह – चंद्र समयमे अनुकूलता आओत। आमदमे वृद्धिक योग अछि। उत्साहमे वृद्धिसँ मोन आशान्वित रहत। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। वृश्चिक (तो ना नी नू ने नो या यी यू) : अनुकूल ग्रह – सहनशीलता धारण कयने रहू। अपन काजमे यत्नपूर्वक लागल रही। बाहरी दखल अंदाजी आ अंतर्कलह सँ बँची। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। धनु (ये यो भा भी भू धा फा ढा) : अनुकूल ग्रह – चंद्र अभिलाषाक पूर्ति एवं अनुकूल समयक आगमन । आमदमे वृद्धिक योग अछि। काज-धंधामे मोन लागत। आशान्वित एवं उत्साहित रहब। हनुमत आराधना कल्याणकारी। मकर (भो जा जी खी खू खे खो गा गी) : अनुकूल ग्रह – चंद्र अनुकूलताक प्रवेश। आमद संतोषजनक। मोनमे आशा एवं उत्साह। प्रतीक्षाक उपरांत लाभ संभव। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। कुंभ (गू गे गो सा सी सू से सो दा) : अनुकूल ग्रह – संयमपूर्वक अनुकूलताक प्रतीक्षा करु। सहनशीलता उत्तम। अपन काजमे लागल रही, विवादसँ दुर रहय केर चेष्टा करी। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। मीन (दी दू झा ज्ञा था दे दो चा ची) : अनुकूल ग्रह – अपना आपकेँ नियंत्रित करय केर अभ्यास करैत रही।सहनशीलता उत्तम औषधि होइछ, सभ तरहक समय आखिर बीत जाइते छैक। सतत हनुमत आराधना कल्याणकारी। Spread the love