चुनाव

हम हरियाणाक अप्रत्याशित परिणामक कऽ रहल छी विश्लेषण : राहुल गांधी

नई दिल्ली
*

कांग्रेस नेता राहुल गांधी हरियाणा आ जम्मू-कश्मीर विधानसभा चुनावक परिणामपर अपन प्रतिक्रिया देलनि अछि। ओ जम्मू-कश्मीरक जनताकेँ हृदयसँ धन्यवाद देलनि आ कहलनि जे राज्यमे इंडिया केर जीत संविधान आ लोकतंत्रक स्वाभिमानक जीत अछि।

राहुल एक्स पर लिखलखिन, ‘हम हरियाणाक अप्रत्याशित परिणामक विश्लेषण कऽ रहल छी। कतेको विधानसभा क्षेत्रसँ आबय वाला शिकायतक बारेमे चुनाव आयोगकेँ सूचित करब। हरियाणाक सभ लोककेँ सहयोग करबाक लेल आ हमर बब्बर शेर कार्यकर्ता सभक अथक परिश्रमक लेल हार्दिक धन्यवाद। हम अधिकार, सामाजिक आ आर्थिक न्याय आ सत्यक लेल ई संघर्ष जारी राखब आ अहाँक आवाज उठबैत रहब।

हरियाणा आ जम्मू-कश्मीरक परिणामक बाद कांग्रेस एकटा संवाददाता सम्मेलनमे चुनाव आयोगपर आरोप लगओलक आ कहलक जे ई व्यवस्थाक जीत अछि, लोकतंत्रक नहिं। पार्टी परिणाम स्वीकार नहिं करैत अछि।

कांग्रेस नेता पवन खेड़ा आ जयराम रमेश एकटा संवाददाता सम्मेलनमे आरोप लगओलनि जे हरियाणाक परिणाम बहुत अप्रत्याशित अछि, हम एकरा स्वीकार नहिं कऽ सकैत छी। कतेको जिलासँ गम्भीर शिकायत आयल अछि।

पवन खेड़ा कहलनि, “परिणाम चौंकाबय वाला अछि आ जमीनी स्तर पर जे देखलहुँ ओकर एकदम विपरीत अछि। वोटक गिनतीक संबंधमे हमरासभकेँ अपन कार्यकर्ता सभसँ शिकायत भेटि रहल अछि। जल्दिये हम एकटा औपचारिक शिकायत दर्ज करब। ई व्यवस्थाक जीत अछि, लोकतंत्रक नहिं, हम एकरा स्वीकार नहिं कए सकैत छी।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *