दरभंगा शहरक प्रसिद्ध चिकित्सक, मिश्रा पाॅली क्लीनिक ओ आर बी मेमोरियल अस्पतालक संस्थापक डाॅ. बी एन मिश्रा केर निधन पर विद्यापति सेवा संस्थान शुक्रदिन शोक जतौलक। दिवंगत चिकित्सक केर प्रति संस्थान परिवार दिसिसँ शोक संवेदना व्यक्त करैत महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे हुनक निधन मिथिला केर चिकित्सा जगत लेल अपूर्णीय क्षति अछि। चिकित्सा जगतमे देल गेल हुनक अप्रतिम योगदानकेँ कहियो नहिं बिसरल जा सकैत अछि।
मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा हुनका मिलनसार स्वभाव बला मिथिला-मैथिलीक विकासक सुच्चा हितैषी बतौलनि। डा बुचरू पासवान हुनका संग बिताओल क्षणकें याद करैत कहलनि जे चिकित्सा क्षेत्रमे देल अपन योगदान लेल ओ सदैव याद कयल जयताह।
प्रवीण कुमार झा कहलनि जे सरल, सहज आ सौम्य व्यक्तित्वक धनिक डा बीएन मिश्रामे घमंडक लेस मात्र नहिं छलनि। ओ कर्मनिष्ठ आ धर्मनिष्ठ होयबाक संग-संग स्नेहिल स्वभावक सामाजिक चिकित्सक छलाह। डा महेंद्र नारायण राम कहलनि जे चिकित्सा जगतक एकटा निर्भीक आ स्वाभिमानी हस्ताक्षरक रूपमे ओ सदैव जीवंत रहताह। हुनक निधन पर प्रो विजय कांत झा, विनोद कुमार झा, प्रो चन्द्रशेखर झा बूढ़ाभाई, दुर्गानंद झा, डा गणेश कांत झा, डा उदय कांत मिश्र, आशीष चौधरी, पुरूषोत्तम वत्स, मणिभूषण राजू आदि सेहो शोक जतेलनि।