शिक्षा

स्थानांतरण नीति निर्माण, सरकारक स्वागत योग्य डेग : प्रो दिलीप चौधरी

दरभंगा समदिया
*

सभ कोटिक नियोजित शिक्षकक स्थानांतरण आ पदस्थापनाकें लऽ कऽ बहुत दिनसँ उठि रहल मांगक बीच राज्य सरकार द्वारा शिक्षकक स्थानांतरण लेल नव नीति निर्धारण करबाक निर्णयक जदयू केर महासचिव सह पूर्व विधान पार्षद प्रो दिलीप कुमार चौधरी स्वागत कयलनि अछि। मंगलदिन प्रेस बयान जारी कऽ ओ कहलनि जे एहि नीति केर घोषणा होयबासँ नहिं केवल शिक्षक लोकनिक स्थानांतरण सुलभ होयत, अपितु एकर बाद शिक्षक दंपति एकहि स्कूलमे अपन सेवा दऽ सकताह। एहन शिक्षककें जतय बेमतलबक पारिवारिक परेशानीसँ मुक्ति भेटतनि ओतहि शिक्षा केर क्षेत्रमे सेहो अपेक्षित सुधार संभव भऽ सकत।

ओ शिक्षक लोकनिक स्थानांतरण नीति केर घोषणाकें समय केर जरूरत बतबैत कहलनि जे एहि नीतिमे महिला, दिव्यांग आ शिक्षक दंपति सहित जाहि शिक्षक केर आश्रित कोनो गंभीर बीमारीसँ पीड़ित छथि आकि लाचार छथि, हुनका लेल स्थानांतरणमे सुलभ चयन केर विकल्प रहने समाजमे एकटा सुखद संदेश जायत। प्रो चौधरी सरकारक एहि डेग केर स्वागत करैत प्रदेशक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, शिक्षा मंत्री सुनील कुमार आ शिक्षा विभागक अपर मुख्य सचिव एस. सिद्धार्थक प्रति आभार जतबैत कहलनि जे शिक्षक वर्गकें होबय बला परेशानी केर मद्देनजर आपसी मंत्रणाक आधार पर निर्णय लेबासँ शिक्षा क्षेत्रमे स्वस्थ वातावरणक निर्माण होयब अवश्यंभावी अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *