घटना

पूर्णियामे शवक संग प्रदर्शन कs रहल भीड़ पुलिसप हमला कय बनेलक बंधक

पूर्णिया समदिया
*

पूर्णियामे पुलिस आ जनताक बीच झड़प भेल। आक्रोशित भीड़ पुलिसकेँ निशाना बनओलक आ हमला कयलक। ई घटना सरसी थानाक कचहरी बलुआक अछि। सोमदिन दूटा शव लऽ कऽ सड़क अवरुद्ध करय बला लोकसभकेँ हटाबय गेल पुलिसपर हमला कयल गेल। आक्रोशित भीड़ पुलिस पर पथराव शुरू कऽ देलक। अधिकारी लोकनि एकटा पेट्रोल पम्पक एकटा कोठरीमे जा कऽ अपनाकेँ बचा लेलनि मुदा भीड़ ओतय सेहो पहुँचि गेल आ सभकेँ बंधक बना लेलक। थाना पर जानलेवा हमला करबाक प्रयास सेहो कयल गेल।

प्राप्त जानकारीक अनुसार शुक्रदिन सरसी थाना क्षेत्रक कचहरी बलुआ निवासी लक्ष्मण रामक दूटा बेटा उपेन्द्र राम आ राजेन्द्र रामक जमीन विवादमे हत्या भऽ गेल। आरोप किछु गामक लोक पर छल। बचावमे आयल दूटा महिला सहित लोक गम्भीर रूपसँ घायल भऽ गेल। परिवारक सदस्य रविदिन दुनू मृतकक शव लऽ कऽ प्रदर्शन करबाक लेल सड़क पर बैसल छलाह। एहि अवधिमे बनमनखी, चम्पानगर आ अन्य स्थान दिसि जायवला सड़क बन्द छल। जखनि पुलिसकेँ एहि बातक सूचना भेटल तखनि सीओ अजय कुमार आ सरसी थानाध्यक्ष मनीष चन्द्र यादव जाम हटाबय लेल टीमक संग पहुँचलाह। ओ लोकनि शव निकालबाक अनुरोध कयलनि, मुदा प्रदर्शनकारी उग्र भऽ गेल आ पुलिस आ अधिकारीसभ पर हमला कऽ देलनि। ओ सभ पुलिस पर पथराव शुरू कए देलक। जकर बाद प्रशासनक टीम लगक पेट्रोल पम्प पर पहुँचल आ कोठरीमे जा कऽ बचय केर प्रयास कयलक। मुदा आक्रोशित लोक ओतय सेहो पहुँचल आ पेट्रोल पम्प पर तोड़फोड़ करय लागल। सीसीटीवी कैमरा सेहो क्षतिग्रस्त भs गेल। पुलिस आ अधिकारीकेँ बंधक बना लेलक।

पुनः डीएसपी हुलास कुमार दलबलक संग घटनास्थल पर पहुँचलाह। जानकीनगर, केनगर, सरसी सहित कतेको थानाक पुलिस घटनास्थल पर पहुँचल आ भीड़केँ तितर-बितर करबाक लेल बलक प्रयोग कयलक। परिवारकेँ समझा कs शव हटा देल गेल। भीड़सँ लगातार पथराव भेलाक बाद पुलिसकेँ बलक प्रयोग करय पड़ल। पुलिसक अनुसार, आन जिलाक लोकसभकेँ सेहो बजौल गेल छल। एम्हर पुलिस कतेको लोककेँ हिरासतमे सेहो लेलक अछि। डीएसपी सहित पुलिस टीम पेट्रोल पम्प पर बंधक कर्मी आ अधिकारीसभकेँ सुरक्षित बाहर निकाललक। एम्हर एकटा आश्चर्यजनक घटना भेल। जखन सरसी थाना प्रभारी मनीष चन्द्र यादव पर एक व्यक्ति धारदार दबिया चला देलक । मुदा, थाना प्रभारी एहि हमलामे बचि गेलाह। एकटा व्यक्ति के गिरफ्तार कs लेल गेल। पुलिस आगूक कार्रवाई कs रहल अछि।

पुलिस पदाधिकारी कहलनि जे दूटा लोकक हत्याक मामिलामे १४ मे सs ११ अभियुक्तकेँ गिरफ्तार कयल गेल अछि। परिवार कहलक जे शवक अंतिम संस्कार कयल जायत। मुदा जखनि ई घटना भेल तखनि मृतकक परिवार कहलक जे एकटा जनप्रतिनिधि सड़क अवरुद्ध करबाक दबाव बनओने छलाह। जाम हटा देल गेल आ पुलिस मामिलाक जाँच कऽ रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *