घटना

मोतिहारीसँ दिल्ली जा रहल स्लीपर बस दूधक टैंकरमे मारलक टक्कर, १८ लोकक मृत्यु आ ३० सँ बेसी घायल

उन्नाव
*

मोतिहारीसँ दिल्ली जा रहल एकटा स्लीपर बस पाछूसँ दूधक टैंकरमे जोरदार टक्कर मारलक। टक्कर एतेक जबरदस्त छल जे बस आ टैंकर दुनू पलटि गेल जखन कि बसक लगभग आधा भाग पूर्ण रूपसँ क्षतिग्रस्त भऽ गेल।

उत्तर प्रदेशक उन्नाव जिलामे लखनऊ-आगरा एक्सप्रेस-वे पर बुधदिन भोरमे भेल सड़क दुर्घटनामे कमसँ कम १८ लोकक मृत्यु भऽ गेल आ ३० गोटे घायल भऽ गेलाह। सभटा घायलकेँ बांगरमऊ स्थित सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्रमे भरती करायल गेल। दुर्घटनाक बाद चारूकात चिल्लाहट उठल। पुलिस स्थानीय लोकक मदतिसँ घटनास्थल पर पहुँचल आ घायलसभकेँ बचा कऽ अस्पताल लऽ गेल। मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ एहि दुर्घटनापर दुख व्यक्त कयलनि अछि। ओ जिला प्रशासनक अधिकारीकेँ घटनास्थल पर पहुंचि राहत कार्यमे तेजी लाबय आ घायलक उचित इलाज सुनिश्चित करय केर निर्देश देलथि अछि। सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर एकटा पोस्टमे ओ लिखलनि, “उन्नाव जिलामे एकटा सड़क दुर्घटनामे जनहानि बहुत दुखद आ हृदयविदारक अछि। हमर संवेदना शोक संतप्त परिवारक संग अछि। भगवान श्रीरामसँ प्रार्थना अछि जे दिवंगत आत्माकेँ हुनकर श्रीचरणमे स्थान आ घायलकेँ शीघ्र स्वास्थ्य लाभ प्रदान करथि।”

पुलिसक कहब छनि जे चालक लापरवाहीसँ बस चला रहल छल। बाम कातसँ ओवरटेक करबाक प्रयास करैत ओ पाछूसँ टैंकरसँ टकरा गेल। टैंकरसँ टकरायलाक बाद बस अनियंत्रित रूपसँ पलटि गेल। टैंकर सेहो पलटि गेल। दुर्घटनाक बाद हंगामा मचल। घायलक बीचसँ चारूकात चिल्लाहट मचि गेल। बसमे बचि गेल लोक मदतिक लेल पुकारि रहल छल। आसपासक लोक कोनो तरहेँ ओकरा बाहर निकालय केर कोशिश कयलक। सूचना भेटलाक बाद पुलिस घटनास्थल पर पहुँचल आ कतेको लोककेँ बचा कऽ अस्पताल लऽ गेल। बिहारक मोतिहारी जिलाक पिपरा कोठीसँ मजदूर सभकेँ लऽ कऽ बस मंगलदिन साँझ ५ बजे दिल्लीक भजनपुरा लेल रवाना भेल। बुधदिन भोरमे लगभग ५ बजे स्लीपर बस बेहटा मुजावर थाना क्षेत्रमे आगरा-लखनऊ एक्सप्रेस-वे पर किलोमीटर संख्या २४७ पर गढ़ा गाम पहुँचल। तखन ई दुर्घटना भेल।

समाचार लिखय धरि १८ गोट शव मुर्दाघरमे राखल गेल छल। मृतकमे १४ पुरुष, दूटा महिला, एकटा लड़का आ एकटा लड़की शामिल अछि। 30 सँ बेसी लोक घायल बताओल जा रहल अछि। ओहिमेसँ १७ गोटेक हालत गंभीर बनल अछि। बहुतो लोककेँ प्राथमिक उपचारक बाद जिला अस्पताल भेजय केर तैयारी कयल जा रहल अछि। स्थानीय प्रशासन रेस्क्यूमे जूटल अछि, मारयवालाक शिनाख्त एखनि नहिं कयल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *