देश-दुनिया

शेख हसीना अमेरिका पर आरोप लगबैत कहलनि – हमरा सत्तासँ हटाबय लेल किछु मास पहिने रचलक षड्यंत्र

नई दिल्ली
*

बांग्लादेशमे हालक राजनीतिक संकट आ हिंसाक बीच पूर्व प्रधानमन्त्री शेख हसीना प्रधानमन्त्रीक पदसँ इस्तीफा दऽ देने छथि आ अंतरिम सरकारक गठन कयल गेल अछि। शेख हसीना एहि इस्तीफाक संग पैघ आरोप लगओने छथि। ओ दावा कयने छथि जे हुनका सत्तासँ हटयबाक एकटा पैघ षड्यंत्र छल आ एहि षड्यंत्रक लेल अमेरिकाकेँ दोषी ठहरौलनि अछि। हसीनाक कहब छनि जे अमेरिका हुनका सेंट मार्टिन द्वीप लेल सत्तासँ बेदखल करबाक योजना बनौने छल, किएक तँ एहि द्वीपक नियंत्रणसँ अमेरिकाकेँ बंगालक खाड़ी पर अपन पकड़ मजबूत करबामे सहायता भेटि सकैत अछि। ओ बांग्लादेशक लोकसभसँ कट्टरपंथीसभक प्रभावमे नहिं अयबाक अपील कयलनि।

शेख हसीना अपन निकट सहयोगीक माध्यमसँ पठाओल सन्देशमे खुलासा कयलनि जे ५ अगस्तकेँ हिंसक छात्र प्रदर्शनक बाद ओ प्रधानमन्त्रीक पदसँ इस्तीफा दऽ देलनि। हसीनाक दावा अछि जे जँ ओ सत्तामे रहितथि तऽ हुनका सेंट मार्टिन द्वीप पर संप्रभुता अमेरिकाकेँ सौंपय पड़तनि। हुनकर कहब छनि जे एहि कदमसँ अमेरिकाकेँ बंगालक खाड़ीमे अपन स्थिति मजबूत करबामे सहायता भेटत। हसीना देशवासीसँ अपील कयलनि जे ओ कट्टरपंथीसभसँ गुमराह नहिं होथि आ देशक सम्प्रभुताक रक्षाक लेल सतर्क रहथि।

ओ स्पष्ट कयलनि जे हुनक इस्तीफाक कारण मात्र आन्तरिक उथल-पुथल नहिं बल्कि बाहरी दबाव सेहो छल, जकरा ओ बर्दाश्त नहिं कऽ सकलीह। सन्देशक माध्यमसँ हसीना अपन समर्थकसभकेँ ई सन्देश देबाक प्रयास कयलनि जे हुनकर इस्तीफा देशक भविष्य आ ओकर सम्प्रभुताक लेल छल, नहिं कि मात्र सत्तासँ हटय केर कारण।

विल्सन सेंटरमे दक्षिण एशिया संस्थानक निदेशक माइकल कुगेलमैन शेख हसीनाक आरोपकेँ खारिज कयलनि अछि। कुगेलमैन कहलनि जे बांग्लादेशमे अशांति आ विरोध प्रदर्शनक श्रेय बहुत हद तक विदेशी हस्तक्षेपक बदला आन्तरिक कारक जिम्मेदार अछि। हुनक अनुसार, शेख हसीनाक सरकार द्वारा छात्रसभ पर पाबंदी आ सरकारक नीतिसभसँ असंतोषक कारण आन्दोलन बढ़ल। कुगेलमैन कहलनि जे संकट पूर्ण रूपसँ आन्तरिक मुद्दासँ प्रेरित छल आ एहिमे कोनो विदेशी हस्तक्षेप नहिं छल। शेख हसीना अमेरिकापर इस्तीफा देलाक बाद हुनका सत्तासँ बेदखल करबाक षड्यंत्रक आरोप लगओलनि अछि, जखन कि माइकल कुगेलमैन एहि आरोपसभक खण्डन कयलनि आ बांग्लादेशक आन्तरिक समस्याकेँ एकर कारण बतौलनि। अपन सन्देशमे हसीना देशवासीसभकेँ कट्टरपंथीसभसँ सावधान रहबाक सलाह देलनि आ हुनका सभसँ अपन सम्प्रभुताक रक्षा करबाक आह्वान कयलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *