शिक्षा

सुपौलमे आयोजित सीनेटक पहिल बैसारमे कुलपतिकेँ आक्रोशित छात्र दू घंटा धरि गेट जाम कय रोकलक

सुपौल समदिया
*

सीनेटक पहिल बैसार शनिदिन सुपौलक भारत सेवक समाज महाविद्यालय परिसरमे भेल । बैसारमे भूपेन्द्र नारायण विश्वविद्यालयक कुलपति बिमलेन्दु शेखर झा उपस्थित छलाह। जतय पूर्वसँ अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद (एबीवीपी)क सैकड़ो छात्र बीएसएस कॉलेजक मुख्य द्वार पर ताला लागा कs बैसल छलाह। कुलपति भोर १० बजे महाविद्यालयक मुख्य द्वार पर पहुँचलाह। जतय छात्र परिषदक कार्यकर्ता सभ कुलपतिकेँ नारा लगा कऽ जयबासँ रोकि देलनि। छात्र नेता सभ लगभग दू घंटा धरि आन्दोलन करैत रहलाह। मुदा कुलपति अपन गाड़ीसँ बाहर नहि निकललाह। छात्र सभ कुलपतिक आश्वासनक माँग लेल अडिग छलाह।

प्रदर्शनक सूचना पर एसडीएम इंद्रवीर कुमार, एसडीपीओ आलोक कुमार, बीडीओ ज्योति गामी, पंचायती राज अधिकारी कालीचरण, सदर एसएचओ प्रशांत कुमार दलबलक संग घटनास्थल पर पहुंचलाह। एकर बाद एसडीएम आ एसडीपीओ छात्र नेतासभकेँ मुख्य द्वार खोलबाक लेल कहलनि। मुदा छात्र सभ अपन माँग पर अडिग रहलाह। छात्रक आक्रोश देखि कुलपति पहिने गाड़ीसँ उतरि भीतर जयबाक प्रयास कयलनि, मुदा हुनक प्रयास विफल रहल। एकर बाद कुलपति पूर्वी दिस गेट पर पहुँचलाह आ कॉलेज परिसरमे प्रवेश करबाक प्रयास कयलनि। मुदा छात्र सभ ओहि गेट केर सेहो बंद कए देलखिन। एकर बाद कुलपति गाड़ी पर बैसि तमाशा देखलनि। बहुत संघर्षक बाद अन्ततः लगभग दू घंटाक बाद कुलपति वाहनसँ उतरि छात्रक समस्या बुझलनि आ अनियमितताक जाँच आ उचित कारवाई करबाक आश्वासन देलनि। एकर बाद छात्रक आक्रोश शांत भेल आ छात्र सभ मुख्य द्वारक ताला खोलि कुलपतिकेँ भीतर जयबाक अनुमति देलनि।

एबीवीपीक प्रदेश मंत्री अभिषेक यादव स्वयं छात्र आन्दोलनक कमान लेबाक लेल घटनास्थल पर पहुँचलाह। जकर कारण छात्र-छात्रामे खूब उत्साह देखल गेल। छात्र लोकनि एतेक उत्साही छलाह जे चिलचिलाइत गरमीमे हुनका कोनो आपत्ति नहिं छल। मीडियासँ बातचीत करैत श्री यादव कहलनि जे सरकार द्वारा छात्रक हितमे विश्वविद्यालय सहित महाविद्यालयमे सुविधा बहाल कयल गेल अछि। मुदा एकर लाभ सम्बन्धित श्रेणीक छात्रकेँ नहिं देल जा रहल अछि। कुलपति छात्रक हित आ हुनक कल्याणक प्रति असंवेदनशील छथि। अन्य छात्र सङ्गठन सेहो हुनक कार्यशैली पर सवाल उठा रहल अछि। “कुलपति द्वारा विश्वविद्यालयक ४० कर्मचारी केर हटाबय केर फैसला बहुत दुर्भाग्यपूर्ण अछि। ई सभ कर्मचारी संविदा आधार पर २० सालसँ बेसी समयसँ विश्वविद्यालयमे काज कऽ रहल छलाह। मुदा निरंकुश कुलपति सरकारकेँ फर्जी प्रतिवेदन समर्पित कऽ अपन पसंदीदा नियुक्त करबाक प्रयास कऽ रहल छथि। जे उचित नहिं अछि।

विश्वविद्यालय सीनेटक सदस्य सह अभाविप प्रदेश कार्यसमिति सदस्य भावेश झा कहलनि जे वर्तमान कुलपति तानाशाही मानसिकताक संग काज कऽ रहल छथि। कोनो निर्णयमे ओ सिंडिकेट वा समितिक कोनो सुझाव नहिं लैत छथि। जखन कखनो कुलपतिकेँ कोनो मामिलामे बजाओल जाइत अछि तखन ओ फोन उठायब सेहो उचित नहिं मानैत छथि।

एहि अवसर पर छात्र नेता सुजीत सान्याल, शिवजी कुमार, राजू सनातन, समीक्षा यदुवंशी, सौरभ यादव, आमोद आनंद, जॉनसन दास, नवनीत सम्राट, अंकित कुमार, रंजीत झा, कुशवाहा, आदित्य कौशिक, नीरज कुमार, मनीष चौपाल, कृष्णकांत गुप्ता, अंशु कुमार, वरुण गुप्ता, कृष्ण रजक, रितेश मिश्रा, गणेश यादव, राजदेव आनंद गुप्ता आदि उपस्थित छलाह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *