वित्त-अर्थ

आरबीआई गवर्नर शक्तिकांत दासकेँ केंद्रीय बैंकर पुरस्कार, एसबीआई घोषित सर्वश्रेष्ठ भारतीय बैंक

नई दिल्ली
*

भारतीय रिजर्व बैंक (आरबीआई)क गवर्नर शक्तिकान्त दासकेँ अमेरिकाक पत्रिका ‘ग्लोबल फाइनेंस’ द्वारा शीर्ष केन्द्रीय बैंकरक रूपमे स्थान देल गेल अछि। ई लगातार दोसर वर्ष अछि जखनि हुनका वैश्विक स्तर पर शीर्ष केंद्रीय बैंकर स्थान देल गेल अछि। आरबीआई एक्स पर लिखलक, “गवर्नर शक्तिकांत दासकेँ लगातार दोसर साल सेंट्रल बैंक रिपोर्ट कार्ड २०२४ मे ‘ए प्लस’ पुरस्कारसँ सम्मानित कयल गेल अछि। शक्तिकान्त दासकेँ ई सम्मान अमेरिकाक वाशिंगटन डीसीमे ‘ग्लोबल फाइनेंस’ द्वारा आयोजित एकटा कार्यक्रममे देल गेल।”
शक्तिकान्त दासकेँ लगातार दोसर साल शीर्ष केन्द्रीय बैंकर पुरस्कार भेटलनि अछि।

दासकेँ केन्द्रीय बैंकक तीनटा गवर्नरक सूचीमे शीर्ष पर राखल गेल अछि जिनका ‘ए प्लस’ रेटिंग देल गेल अछि। ग्लोबल फाइनेंस पत्रिका एकटा वक्तव्यमे कहलक जे मुद्रास्फीतिकेँ नियंत्रित करबामे, आर्थिक विकास, मुद्रा स्थिरता आ ब्याज दर प्रबंधनकेँ लक्षित करबामे सफलताक लेल रेटिंगकेँ ए सँ एफ पैमाना पर मूल्याङ्कन कयल गेल छल।एतय ‘ए’ बढ़िया प्रदर्शनकेँ दर्शाबैत अछि जखन कि ‘एफ’ पूर्ण विफलताकेँ दर्शाबैत अछि। शक्तिकान्त दासक अतिरिक्त डेनमार्कक क्रिश्चियन केटल थॉमसन आ स्विट्जरलैंडक थॉमस जॉर्डनकेँ सेहो केंद्रीय बैंकरक ‘ए प्लस’ श्रेणीमे स्थान देल गेल अछि।

ग्लोबल फाइनेंस पत्रिका २०२४ केर लेल भारतीय स्टेट बैंक (एसबीआई) केँ भारतक सर्वश्रेष्ठ बैंक सेहो घोषित कयलक अछि। वाशिंगटनमे अंतर्राष्ट्रीय मुद्रा कोष (आईएमएफ) आ विश्व बैंकक वार्षिक बैसारसँ अलग आयोजित अपन ३१म वार्षिक सर्वश्रेष्ठ बैंक पुरस्कार समारोहमे, ग्लोबल फाइनेंस एसबीआईकेँ २०२४ केर लेल भारतक सर्वश्रेष्ठ बैंकक पुरस्कारसँ सम्मानित कयलक। एसबीआई केर अध्यक्ष सीएस शेट्टीकेँ ई पुरस्कार भेटल। बैंककेँ ई पुरस्कार अपन ग्राहकक विश्वास जीतिकय असाधारण सेवा प्रदान करय आ देश भरिमे वित्तीय समावेशनकेँ बढ़ावा देबाक प्रतिबद्धताक लेल भेटल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *