राजनीति

यूपी सरकारक डिजिटल नीति पर कटाक्ष करैत प्रियंका कहलनि – ‘तुम दिन को कहो रात तो रात, वरना हवालात’

नई दिल्ली
*

कांग्रेस महासचिव प्रियंका गांधी डिजिटल मीडिया नीति आ शिक्षक भर्ती सन मुद्दा पर उत्तर प्रदेशक योगी सरकारक आलोचना कयलनि अछि।
प्रियंका गाँधी बृहस्पति दिन अपन सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर लिखलनि, ‘जो तुमको हो पसंद, वही बात कहेंगे, तुम दिन को अगर रात कहो रात कहेंगे’।

उत्तर प्रदेश सरकारक सोशल मीडिया नीतिमे न्याय चाहय बला महिलाक आवाज कोन श्रेणीमे आओत ? ६९,००० शिक्षक भर्ती आरक्षण घोटालामे उठल सवाल कोन श्रेणीमे आओत ?

प्रियंका गाँधी भारतीय जनता पार्टीमे आन्तरिक मतभेदक सुगबुगाहट पर सेहो कटाक्ष कयलनि अछि। ओ एक्स पर लिखलनि, “भाजपा नेता आ विधायक द्वारा भाजपा सरकारक पोल-पट्टी खोलब कोन श्रेणीमे आओत ?

‘तुम दिन को कहो रात तो रात, वरना हवालात’ नीति सत्यकेँ दबायबाक एकटा आओर तरीका अछि। की भाजपा लोकतंत्र आ संविधानकेँ रौंदबासँ बेसी किछु नहि सोचि सकैत अछि ?”

जनतब जे उत्तर प्रदेशक योगी सरकार एकटा नव डिजिटल मीडिया नीति लऽ कऽ आयल अछि। एहिमे कोनो ‘आपत्तिजनक सामग्री’केँ ऑनलाइन डालबाक लेल कानूनी कारवाईक सेहो प्रावधान अछि। सरकार कहलक अछि जे ‘आपत्तिजनक सामग्री’ अपलोड करबाक लेल सोशल मीडिया ऑपरेटर, प्रभावशाली व्यक्ति, फर्म वा संबंधित एजेन्सीक खिलाफ कानूनी कार्रवाई कयल जायत।

योगी सरकारक एहि नव नीतिक अन्तर्गत राज्य सरकारक योजना आ उपलब्धि पर आधारित कंटेंट वीडियो, ट्वीट, पोस्ट, रीलकेँ प्रोत्साहित कयल जायत। अगर एहि सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म केर नीक फॉलोअर्स आ व्यू भेटत तऽ एकर माध्यमसँ घरे बैसल २ सँ ८ लाख टाका घर बैसल कमाएल जा सकैत अछि।

नव डिजिटल मीडिया नीतिक अन्तर्गत एक्स, फेसबुक, इंस्टाग्राम आ यूट्यूबकेँ सब्सक्राइबर आ फाॅलोअर्सक आधार पर ४ श्रेणीमे बाँटल गेल अछि। जाहिमे एक्स, फेसबुक आ इंस्टाग्राम धारक प्रति माह ५ लाख, ४ लाख, ३ लाख आ २ लाख रुपया कमा सकैत छथि। यूट्यूब पर वीडियो, शॉर्ट्स, पॉडकास्ट भूगतानक लेल ८ लाख, ७ लाख, ६ लाख आ ४ लाख टाका राखल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *