जम्मू-कश्मीरक रामबनमे एकटा जनसभाकेँ सम्बोधित करैत लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता आ कांग्रेस सांसद राहुल गाँधी भाजपापर भयंकर प्रहार कयलनि। ओ जम्मू-कश्मीरक लोककेँ राज्यक दर्जा वापिस अनबाक वचन देलनि। एतबे नहि, राहुल गाँधी जम्मू-कश्मीरमे कांग्रेसक गठबन्धन सरकार बनयबाक दावा सेहो कयलनि।
कांग्रेस सांसद राहुल गांधी जनसभाकेँ सम्बोधित करैत कहलनि, “पहिल बेर भारतक कोनो राज्यकेँ केन्द्र शासित प्रदेश बना लोकक अधिकार छीन लेल गेल अछि। भारतक इतिहासमे एहेन पहिने कहियो नहिं भेल छल। सबसँ पहिने जम्मू-कश्मीरकेँ राज्यक दर्जा वापिस करय पड़त, किएक तँ नहिं मात्र अहाँक राज्य छीनि लेल गेल अछि, बल्कि अहाँक अधिकार, अहाँक सम्पत्ति, सब किछु अहाँसँ छीन लेल जा रहल अछि। १९४७ मे हमसभ राजासभकेँ हटा देलहुँ आ लोकतांत्रिक सरकार बनौलहुँ, हम देशकेँ संविधान देलहुँ। आइ जम्मू-कश्मीरमे एकटा राजा बैसल छथि, हुनक नाम एलजी अछि। परन्तु, ओ, ओ राजा छथि जे अहाँसँ अहाँक सम्पत्ति छीनि रहल छथि आ बाहरक लोकसभकेँ दऽ रहल छथि।”
राहुल गांधी भाजपा पर प्रहार करैत कहलनि, “हमर पहिल डेग जम्मू-कश्मीरकेँ राज्यक दर्जा वापस दिलायब होएत, हम चाहैत छलहुँ जे चुनावसँ पहिने अहाँकेँ राज्यक दर्जा भेटय आ फेर चुनाव होयबाक चाही, मुदा भाजपा इ नहिं चाहैत अछि। भाजपा चाहय वा नहिं, इंडी गठबन्धन एतेक दबाव बनओत जे जम्मू-कश्मीरकेँ राज्यक दर्जा देबहे पड़त।”
रैली केर संबोधित करैत कांग्रेस सांसद राहुल गांधी आगू कहलनि, “एकटा बात मानि लिअ जे कांग्रेस पार्टीक गठबंधन सरकार एतय आबय जा रहल अछि। ई निश्चित अछि आ इ होबए जा रहल अछि। हमर पहिल काज सभ सरकारी रिक्त पद केर भरब आ आयु सीमा बढ़ा कय ४० साल करब होएत। हम दैनिक मजदूरी करय बला मजदूरकेँ नियमित आ स्थायी करब आ हुनकर आमदनी बढ़ायब।”
कांग्रेस जम्मू-कश्मीर विधानसभा चुनावक लेल नेशनल कॉन्फ्रेंसक सङ्ग गठबन्धन कयलक अछि। एकर अन्तर्गत नेशनल कॉन्फ्रेंस ५१ आ कांग्रेस ३२ सीट पर चुनाव लड़त।
९० सदस्यीय जम्मू-कश्मीर विधानसभाक चुनाव तीन चरणमे होयत। पहिल चरण १८ सितंबर, दोसर चरण २५ सितम्बर आ तेसर चरणक लेल १ अक्टूबरकेँ मतदान होयत। वोटक गिनती 8 अक्टूबरकेँ होएत।
घाटीमे साल २०१४ केर बादसँ इ पहिल विधानसभा चुनाव होयत, किएक कि २०१९ मे धारा ३७० निरस्त कऽ देल गेल छल। एकर बादसँ जम्मू-कश्मीरमे विधानसभा चुनाव नहिं भेल अछि।