Skip to content
नालंदा समदिया
*
बिहारक नालन्दामे डायरियाक कारण तीनटा बच्चाक मृत्यु भऽ गेल अछि। स्थानीय लोक नगर निगम पर सवाल उठौलक अछि। लोकक कहब छनि जे एहि क्षेत्रमे स्वच्छताक कमी आ दूषित पानि पीबाक कारणेँ एहन स्थिति उत्पन्न भेल अछि। परिवारक सदस्यलोकनि कहलनि जे पछिला ५ दिनसँ गामक लोक बेर-बेर फोन कऽ अधिकारीसभकेँ सूचित कऽ रहल छल, मुदा एखन धरि कोनो सुविधा नहिं भेटल अछि। नालंदाक बिहार शरीफ नगर निगम क्षेत्रक नवनिर्मित वार्ड-४७ केर काको बिघामे दस्तक प्रकोप देखल गेल अछि। पछिला दू दिनमे दस्तक कारण तीनटा बच्चाक मृत्यु भेल अछि। एहिमे एक परिवारक दूटा बच्चा शामिल अछि।
मृतकक पहिचान मोती लाल पाण्डेयक बेटी परिधि कुमारी (५) आ परी कुमारीक रूपमे भेल अछि। कारू सिंहक बेटा गोलू कुमार (११)क सेहो दस्तसँ मृत्यु भऽ गेल। परिवारक सदस्यलोकनि कहलनि जे उल्टी आ दस्तक शिकायतपर हुनका एकटा निजी क्लिनिकमे भर्ती कयल गेल छल। इलाजक क्रममे डॉक्टर कहलनि जे दुनू लड़कीकेँ दस्त छल। नीक इलाजक लेल पटना रेफर कयल गेल, दुनू लड़कीक लेल पैसा जुटाबैत एक-एक कऽ मृत्यु भऽ गेल। एकटा बच्चा अंजलि सेहो अस्वस्थ अछि। हुनका शुक्र दिन इलाजक लेल भर्ती कएल गेल छल। गामक लोकक कहब छनि जे एखन धरि ५० सँ ६० गोटे दस्तसँ पीड़ित छथि। वर्तमानमे एक दर्जनसँ बेसी लोक अलग-अलग अस्पतालमे भर्ती अछि।
पीबाक पानिक कोनो व्यवस्था नहिं अछि। निगमक अधिकारीकेँ एहि बारेमे कतेको बेर कहल जा चुकल अछि। मुदा कोनो पहल नहिं कएल जा रहल अछि। बिहार शरीफ ब्लॉकक प्रखंड विकास अधिकारी मनीष कुमार कहलनि जे सूचना भेटलाक बाद एकटा मेडिकल टीम तैनात कयल गेल अछि। ब्लीचिंग पाउडरक सेहो छिड़काव कएल जा रहल अछि। वरिष्ठ अधिकारीसभकेँ अस्पतालमे उपचार प्रणालीकेँ सुदृढ़ करबाक विषयमे सूचित कयल गेल अछि।