अपराध

मिथिला क्षेत्रीय झारखंडक जामताड़ाक पाँच साइबर क्रिमिनलकेँ सजा, जामताड़ा वेब सीरीज छल बनल

राँची
*

रांची स्थित पीएमएलए (मनी लॉन्ड्रिंग रोकथाम अधिनियम) अदालत धनशोधन मामिलामे जामताड़ाक पाँच साइबर अपराधीकेँ पाँच सालक कठोर कारावासक सजा सुनओलक अछि, जाहिमे गणेश मण्डल आ ओकर बेटा प्रदीप मण्डल, संतोष मण्डल आ ओकर बेटा पिंटू मण्डल एवं अंकुश कुमार मण्डलकेँ पाँच सालक कठोर कारावासक सजा सुनाओल गेल अछि।
सभ मिथिला क्षेत्रीय झारखंडक जामताड़ाक नारायणपुर थाना अंतर्गत मिरगा गामक निवासी अछि। कोर्ट एकरा सभ पर अढ़ाई लाख टाकाक जुर्माना सेहो लगओलक। जँ जुर्माना जमा नहिं कयल जाइत अछि तँ अपराधीसभकेँ अतिरिक्त सजा भोगय पड़त।

पीएमएलए अदालतक विशेष न्यायाधीश पीके शर्माक अदालत २० जुलाईकेँ एहि सभकेँ दोषी ठहरौने छल। तखन हुनका हिरासतमे लेल गेल आ जेल पठा देल गेल। कहल जाइत अछि जे लोकप्रिय वेब सीरीज ‘जामताड़ा’ एहि साइबर अपराधीसभक कहानी पर बनल छल। वेब श्रृंखलामे प्रदीप मण्डल आ ओकर अलग-अलग सहयोगीक नामक उल्लेख छल।

२९ दिसंबर, २०१५ केँ जामताड़ा जिलाक नारायणपुर थानामे ओकर सभक खिलाफ मामिला दर्ज कयल गेल छल।
हुनका सभ पर आरोप छल जे ओ बैंक प्रबंधक आ बैंक अधिकारी बनि लोकसभसँ अपन बैंक खाताक विवरण प्राप्त करबाक लेल फोन करैत छलाह आ हुनक खातासँ अवैध पैसा निकालैत छलाह। जाञ्चक बाद जामताड़ा पुलिस २२ जुलाई, २०१६ केँ आरोपपत्र दाखिल कयलक। एहि प्राथमिकी आ आरोपपत्रक आधार पर ईडी २०१९ मे मनी लॉन्ड्रिंग अधिनियमक अन्तर्गत प्रवर्तन मामिला सूचना रिपोर्ट (ईसीआईआर) दायर कयने छल।

ईडी अपन जांचमे पओलक जे आरोपी प्रदीप कुमार मंडल, पिंटू मंडल, अंकुश कुमार मंडल आ अन्य साइबर अपराधक माध्यमसँ ६५.९९ लाख टकाक चल आ अचल संपत्ति अर्जित कयने छल। ओ लोकनि नव घर बनौलनि, जमीन किनलनि, अपराधसँ प्राप्त आयसँ वाहन किनलनि। ई सभ चल आ अचल संपत्ति १० मार्च २०२१ केँ ईडी द्वारा अस्थायी रूपसँ कुर्क कयल गेल छल। एहि मामिलामे मुकदमाक क्रममे विशेष लोक अभियोजक अतीश कुमार ईडी दिससँ २४ गोट गवाह पेश कयलनि, जकर आधार पर अदालत पांचो गोटेकेँ दोषी ठहरौलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *