राजनीति

बिहार विधानमंडलक शीत सत्र २५ नवंबरसँ, बहसक अनेक मुद्दा

पटना समदिया
*

बिहार विधानमण्डलक शीतकालीन सत्र २५ नवम्बरसँ शुरू होयत। ई सत्र २९ नवम्बर तक चलत। एहि दौरान द्वितीय अनुपूरक बजट सेहो सदनमे प्रस्तुत कयल जायत संगहि अन्य विधायी काज संपादित कयल जायत। संसदीय कार्य विभाग एहि संबंधमे अधिसूचना जारी केलक अछि। चारि सीटक होबय वाला चुनावक परिणाम २३ नवम्बरकेँ घोषित कयल जायत। दू दिन बाद सदनक गतिविधि शुरू होयत।
शपथग्रहण सत्रक पहिल दिन २५ नवम्बरकेँ होयत। एकर बाद राज्यपाल द्वारा जारी अध्यादेशक प्रति सदनक पटल पर राखल जायत। संगहि, वित्तीय वर्ष २०२४-२५ लेल दोसर अनुपूरक बजट पहिल दिन प्रस्तुत कयल जायत।

निजी सदस्यक प्रस्ताव पर २६ नवम्बरकेँ गैर सरकारी संकल्प लेल जायत। २७ आ २८ नवम्बरकेँ सदनमे राजकीय विधेयक प्रस्तुत कयल जायत। २९ नवम्बरकेँ २०२४-२५ कऽ द्वितीय अनुपूरक बजट पर बहस आ विनियोग विधेयक पेश कयल जायत। एकर बाद सदनक गतिविधि अनिश्चितकाल लेल स्थगित कऽ देल जायत।

२५ नवम्बरसँ शीतकालीन सत्र हंगामेदार रहबाक सम्भावना अछि। चारि सीटक चुनाव परिणामक प्रभाव सदनमे देखल जायत। एकर अलावा विपक्ष सरकार पर पूरा हमला करैत देखल जायत। कानून-व्यवस्था, शराबसँ मृत्यु, स्मार्ट मीटर आ भूमि सर्वेक्षण सन मुद्दा पर विपक्ष सरकारकेँ घेरबाक भरसक प्रयास करत। विपक्ष भूमि सर्वेक्षण आ स्मार्ट मीटरक सम्बन्धमे सरकारकेँ घेरबाक लेल पूर्ण रूपसँ तैयार अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *