बिहारक राजधानी पटनामे निर्माणाधीन मेट्रो सुरंगमे एकटा पैघ दुर्घटना भेल। मेट्रो सुरंगमे लोको पिकअप मशीनक ब्रेक फेल भऽ गेल आ मजदूरसभ पर चढ़ि गेल। एहि दुर्घटनामे एकटा लोको पायलट आ दूटा मजदूरक मृत्यु भऽ गेल। ओतहि बचाव दल ६ मजदूरकेँ बचा लेलक अछि। हुनका लोकनिकेँ इलाजक लेल अस्पतालमे भर्ती कयल गेल अछि, जतय हुनक स्थिति गम्भीर बनल अछि।
अशोक राजपथ पर पटना मेट्रो लेल भूमिगत सुरंग बनेबाक काज चलि रहल अछि। कहल जा रहल अछि जे एहि दौरान सुरंगमे लोको पिकअप मशीनक ब्रेक फेल भऽ गेल। तखनि लोको पिकअप मशीन आगू बढ़ल, मेहनतकश मजदूरकेँ रौंद देलक। एहि दुर्घटनामे ९ मजदूर गम्भीर रूपसँ घायल भऽ गेलाह, जाहिमेसँ तीनटाक मौकापर मृत्यु भऽ गेल। ई दुर्घटना राजधानीमे एनआईटी मोड़ लग भेल।
एतय दुर्घटनाक सूचना भेटैत हलचल मचि गेल। जल्दबाजीमे बचाव अभियान शुरू भेल। घटनास्थल पर पहुँचल एकटा पुलिस अधिकारी कहलनि जे मशीनमे कोनो तरहक खराबी वा सुरंगमे ब्रेक फेल भेलाक कारण दुर्घटना भेल। मजदूर सभकेँ अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि।
तीनू मृतकक पहिचान मनोज, विजय आ रामबाबूक रूपमे भेल अछि। तीनू ओडिशाक निवासी छलाह। ओहिमे सँ एकटा लोको पायलट अछि आ दूटा मजदूर अछि। पटनाक एसएसपी दूटा मृत्युक पुष्टि कयने छथि। ओतहि एहि दुर्घटनामे छओ गोटे घायल भऽ गेलाह। ओतहि पटना मेट्रोसँ जुड़ल अधिकारीक अनुसार ई दुर्घटना कोना भेल से सुरंगक भीतर गेलाक बादे पता चलत। एहि घटनाक जाँचक आदेश देल गेल अछि। मृतकक परिवारकेँ सूचना पठाओल गेल अछि। फिलहाल काज बंद कए देल गेल अछि।
दुर्घटनाक समय लोको संचालक कुंदन कुमार सुरंगमे उपस्थित छलाह। कुंदनक अनुसार, दिनेमे कम्पनीक अधिकारीसभकेँ इंजनक खराबी आ ब्रेकमे समस्याक जानकारी देल गेल छल। समूहमे एकटा संदेश सेहो देल गेल। एकर बादो लोको पिकअप मशीन चालू रखबाक आ काज जारी रखबाक निर्देश देल गेल।