लालू प्रसाद यादव बिहारमे अगिला सालक विधानसभा चुनावसँ पहिने अपन डैमेज कंट्रोल अभियान शुरू कऽ देने छथि। राजद प्रमुख मजबूत नेता सभकेँ घर घुरबाक लेल मनाबय केर योजना बनौने छथि जाहिसँ ओ विधानसभा चुनावक लड़ाई जीत सकथि।
लोकसभा चुनावमे कांग्रेस आ वाम दलक सङ्ग राजद बिहारमे भाजपाक नेतृत्ववला राजगकेँ पराजित नहिं कऽ सकल। एहेनमे राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादव मिशन-२०२५ शुरू कयलनि अछि। बिहारमे अगिला सालक विधानसभा चुनावक लेल राजनीतिक शतरंज बिछाओल जा रहल अछि। लालू यादव २०२४ मे डैमेज कंट्रोल शुरू कऽ देने छथि। एकर तहत ओ एहन नेताक ‘घर वापसी’क ताना-बाना बुनि रहल छथि, जे अपन-अपन क्षेत्रमे राजनीतिक रूपसँ हावी रहल छथि आ हुनकर नाराजगीक कारण २०२४ मे राजदक नुकसान भेल अछि। सीवानक पूर्व सांसद शहाबुद्दीन केर पत्नी हिना शहाबक सङ्ग लालू यादव एहि मिशनक शुरुआत कयने छथि आ हुनक निशानापर आधा दर्जन एहन नेता अछि। लालू प्रसाद यादव पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीनक पत्नी हिना शहाबसँ पटनामे राजद विधायकक आवास पर भेंट कयलनि। एहि दौरान तेजस्वी यादव सेहो उपस्थित छलाह। राजद विधायक विनोद जायसवाल हिना शहाब आ लालू यादवक बीच सुलह कराबय केर भूमिकामे छलथि। ओना, एहि सूचीमे कतेको आओर नेता सम्मिलित छथि, जिनका घर घुरबाक लेल राजी करबाक प्रयास कयल जेबाक अछि। एहि कड़ीमे सूर्यगढ़क विधायक प्रह्लाद यादव, भागलपुरसँ सांसद रहल बुलू मंडल, पूर्व मंत्री देवेन्द्र यादव सन नेता शामिल छथि। राजदमे एक समयमे एहि नेता सभक राजनीतिक तूती बजैत छल आ हुनक अपन राजनीतिक कद छल, मुदा तेजस्वी यादवक राजनीतिक हस्तक्षेपक कारण ई नेता सभ पार्टी छोड़ि देने छथि।
राजद प्रमुख लालू यादव आब पार्टीक दिग्गज नेताक आक्रोश दूर करबाक आ ओकरा फेरसँ सक्रिय करबाक आ पार्टी छोड़ि चुकल सभ नेताक घर वापसीक ताने-बाना बुनि रहल छथि। प्रह्लाद यादव लखीसराय जिला राजदक स्तम्भ मानल जाइत छलथि, मुदा आइ-काल्हि पार्टीसँ नाराज छथि आ नीतीश कुमारक सङ्ग अपन केमिस्ट्री बैसेने अछि। ओना ओ एखन धरि राजद नहिं छोड़ने छथि। प्रह्लाद यादवक राजनीतिक पहिचान लालू प्रसादक अधीन बनल छल। ओ पाँच बेर विधायक बनलाह आ जिला संगठनक प्रभार सेहो सम्हारलनि, जकरा लालू यादव आब मनाबय केर काज करताह।
भागलपुरसँ सांसद रहल बुलो मण्डल सेहो लालूक निकट नेतामे शामिल रहल छथि, मुदा आइ-काल्हि ओ नीतीश कुमारक सङ्ग ठाढ़ छथि। २०२४मे ओ भागलपुरसँ टिकट माँगि रहल छलाह, मुदा ई सीट कांग्रेसक हाथमे गेलाक बाद बुलो मण्डल नाराज भऽ गेलाह। एहि कारणेँ भागलपुर सीटपर कांग्रेसकेँ पराजयक सामना करय पड़ल अछि। बुल्लो मंडल सेहो लालू प्रसाद यादवक निशानापर छथि, जिनकर घर वापसीक रणनीति तैयार कयल जा रहल अछि।
लालू यादव पूर्व मंत्री देवेन्द्र यादवसँ जुड़बाक प्रयास सेहो कऽ रहल छथि, जे सीमांचल क्षेत्रमे राजदक दिग्गज नेता छलाह। लोकसभा चुनावमे ओ विद्रोही रुख अपना लेलनि। राजदकेँ अलविदा कहलाक बाद ओ कोनो पार्टीमे शामिल नहिं भेल छथि, जाहि कारणेँ लालू यादव स्वयं हुनका मनयबाक पहल कयने छथि। तहिना अशरफ करीम सेहो राजदकेँ अलविदा कहलनि आ निर्दलीय रूपमे लोकसभा चुनावमे कूदि गेल छलथि, जिनका मनाबय केर जिम्मा सेहो लालू यादव लेलनि अछि। कृष्ण पटेल सेहो एहि सूचीमे छथि, जे लोकसभा चुनावमे नाराज भऽ पार्टी छोड़ि देने छलथि। एहि तरहसँ लालू यादव एहेन नेता सभकेँ मना कऽ घर वापसी कराबय केर योजना बनेलनि अछि, ताकि विधानसभाक लड़ाई जीति सकथि।