प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवालकेँ शराब नीति पर पूछताछ लेल पाँचम सम्मन पठबैत बजेने छल, मुदा सीएम केजरीवाल प्रवर्तन निदेशालयक समक्ष उपस्थित नहिं हेताह।
आम आदमी पार्टीक कहब अछि जे दिल्लीक मुख्यमंत्री आ आम आदमी पार्टीक राष्ट्रीय संयोजक अरविंद केजरीवाल आइयो ईडीक समक्ष उपस्थित नहिं हेताह। पार्टी सम्मनकेँ ‘गैरकानूनी’ बतओलक अछि। हम वैध सम्मन केर पालन करब। प्रधानमंत्री मोदीक उद्देश्य अरविन्द केजरीवालकेँ गिरफ्तार कऽ दिल्ली सरकारकेँ गिरायब अछि। हम इ नहि होबए देब।