विधि-व्यवस्था

झारखंड, बंगालमे घुसपैठ मामिलामे ईडीक छापामारी, अवैध हथियार, नकली पासपोर्ट, आधार आ कतेको आन सामान बरामद

राँची
*

प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) बांग्लादेशी घुसपैठ आ ओहिसँ जुड़ल मामिलामे झारखंड आ पश्चिम बंगालमे १७ स्थानपर चलि रहल छापामारीमे फर्जी पासपोर्ट, नकली आधार कार्ड, अवैध हथियार सहित कतेको वस्तु बरामद कयलक अछि।
ईडी आधिकारिक रूपसँ कहलक अछि जे राँची, पाकुड़ आ पश्चिम बंगालक शहरमे चलि रहल छापामारीक दौरान अचल सम्पत्ति, नगद, आभूषण, मुद्रण कागज, मुद्रण मशीन आ आधार कार्ड बनयबाक लेल उपयोग कयल जायवला खाली प्रपत्रक दस्तावेज बरामद कयल गेल अछि।

ईडीक टीम मंगल भोरसँ रांची के बरियातुमे होटल स्काईलाइन, आश्वी डायग्नोस्टिक, बाली रिसॉर्ट आ माउंटेन व्यू रिसॉर्ट सहित छओ स्थान पर तलाशी अभियान चला रहल अछि। एकर अतिरिक्त पाकुड़क पीरतल्लामे अल्ताफ मनक नामक व्यक्तिक घरमे सेहो छापा मारल जा रहल अछि।

सूत्रक अनुसार, अवैध रूपसँ भारत आयल बंगलादेशी नागरिककेँ ठहरय आ फर्जी दस्तावेज तैयार करय केर नेटवर्क चला रहल लोक हवाला रैकेटसँ सेहो जुड़ल अछि।

जूनमे राँचीक बरियातु थानाक पुलिस एकटा होटलसँ बंगलादेशक तीनटा लड़कीकेँ गिरफ्तार कयने छल। ओकरा लग नहिं तऽ वीजा छल आ ने पासपोर्ट। कथित रूपसँ ओ सभ देहक व्यापार करबाक लेल आनल गेल छल।

एफ.आई.आर.क अनुसार, बांग्लादेशक रहयवाला लगभग २१ वर्षक लड़कीकेँ एकटा आओर लड़कीक मदतिसँ कोलकाता आनल गेल छल। ३१ मईक मध्यरात्रिकेँ निजी एजेंटक मिलीभगतसँ महिलाकेँ वन क्षेत्रसँ अवैध रूपसँ बांग्लादेश सीमा पार कयल गेल छल।

जाञ्चमे पता चलल जे बिना पासपोर्ट वा फर्जी दस्तावेजक जरियासँ बांग्लादेशीलोकनिकेँ पश्चिम बङ्गालसँ झारखण्ड धरि घुसपैठ करबामे एकटा नेटवर्क सक्रिय अछि आ एहि मामिलामे पैघ स्तरपर पैसाक खेल चलि रहल अछि। पुलिसक एहि एफ.आई.आर.क आधार पर ईडी १६ सितंबरकेँ पीएमएलएक अन्तर्गत धनशोधनक मामिला दर्ज कयलक आ जाँच शुरू कयलक।

ईडीक अधिकारीक कहब छनि जे तलाशी अभियान एखनो जारी अछि आ आबयवला समयमे आओर महत्वपूर्ण खुलासा भऽ सकैत अछि। वर्तमानमे बरामद दस्तावेज आ सामग्रीक विस्तृत जाँच कयल जा रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *