देश-दुनिया

हिजबुल्लाह लेलक नेतन्याहूक घर पर हमलाक जिम्मेदारी

नई दिल्ली
*

हिजबुल्लाह इजरायलक प्रधानमन्त्री बेंजामिन नेतन्याहूक कैसरिया स्थित घर पर ड्रोन हमलाक जिम्मेदारी लेलक अछि।

हिजबुल्लाह मीडिया कार्यालयक प्रमुख मोहम्मद अफीफ बेरूतक दक्षिण इलाकाक दहिएहमे एकटा संवाददाता सम्मेलनमे ई जिम्मेदारी लेलक। ओ कहलक, “हम नेतन्याहूक घर पर निशाना बनाबय केर जिम्मेदारी लैत छी।”

समाचार एजेंसीक अनुसार अफीफ धमकी दैत कहलक, “जँ पिछला बेर हमर हाथ अहाँ तक (इजरायल) नहिं पहुंचल तऽ दिन, राति आ मैदान (युद्धक क्षेत्र) हमर बीच अछि।” अफीफ कहलक जे जाबत धरि इजरायलक सङ्ग लड़ाई जारी रहत ताबत धरि कोनो वार्ता नहि होयत।

पुनः अफीफ कहलक जे हिजबुल्लाह जवाबी हमला करबामे माहिर अछि। संगहि इहो कहल गेल अछि जे ई समूह उत्तरी इजरायल पर लगातार बमबारी जारी रखत।

अफीफ अमेरिकाक भूमिकापर सेहो सवाल उठौलनि। ओ आरोप लगओलनि जे लेबनानक विरुद्ध इजरायलकेँ हथियार उपलब्ध करायब सही नहि अछि।

इजरायल मंगलदिन कहने छल जे हिजबुल्लाह द्वारा पठाओल गेल एकटा विस्फोटक ड्रोन कैसरिया स्थित नेतन्याहूक घरकेँ निशाना बनेलक।

इजरायली सैन्य सेंसर द्वारा मीडियाकेँ देल गेल जानकारीक अनुसार, ड्रोन हाइफा आ तेल अवीवक बीच स्थित तटीय शहरमे नेतन्याहूक निवासक एकटा बेडरूमक देवाल पर हमला कयलक।

आगिसँ भेल क्षतिकेँ देखबैत एकटा फोटो (प्रकाशनक लेल अनुमोदित) सेहो जारी कयल गेल अछि। फोटोमे हुनक घरक बाहरी देबाल पर जरबाक निशान, एकटा खिड़कीकेँ क्षति आ दूटा झुलसल ताड़क गाछ देखाओल गेल अछि।

सेना कहलक जे ड्रोनकेँ लेबनानसँ प्रक्षेपित कयल गेल छल, सङ्गहि दूटा आर ड्रोन सेहो प्रधानमन्त्रीक निवासकेँ निशाना बनबैत प्रक्षेपित कयल गेल छल। तीनटा हमलावर हेलीकॉप्टर ड्रोनकेँ रोकबाक प्रयास कयलक मुदा असफल रहल। ओहिमेसँ दूटा आयरन डोम सिस्टम द्वारा रोकल गेल छल, जखन कि तेसर बेडरूमक देवालसँ टकरा गेल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *