२०४७ धरि विकसित भारतक निर्माणक लेल बुनियादी ढाँचा, निवेश, नवाचार आ समावेशिता पर ध्यान केन्द्रित : केन्द्रीय वित्त मंत्री
नई दिल्ली
*
केन्द्रीय वित्त आ कॉरपोरेट मामिलाक मंत्री निर्मला सीतारमण कहलनि जे नरेन्द्र मोदीक नेतृत्ववला सरकार २०४७ धरि भारतकेँ एकटा विकसित राष्ट्र बनेबाक लेल बुनियादी ढाँचा, निवेश, नवाचार आ समावेशिताक चारिटा प्रमुख क्षेत्र पर ध्यान केन्द्रित कऽ रहल अछि। वित्त मंत्री सीतारमण ई बात पेंसिल्वेनिया विश्वविद्यालयक व्हार्टन स्कूलक छात्रसभक सङ्ग बातचीतक क्रममे कहलनि।
वित्त मंत्रीक कार्यालय बुधदिन जारी एकटा वक्तव्यमे कहलक जे केन्द्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण अंतर्राष्ट्रीय मुद्रा कोष (आईएमएफ) आ विश्व बैंकक वार्षिक बैसारमे भाग लेबाक लेल मंगलदिन एतय पहुँचलीह। वित्त मंत्री न्यूयॉर्कसँ वाशिंगटन डीसी तक कारसँ अयलीह। एहि दरम्यान ओ पेनसिल्वेनिया विश्वविद्यालयमे रुकल छलीह, जतय ओ छात्रसभसँ बातचीत कयलनि।
ओ कहलनि जे २०४७ धरि भारतकेँ एकटा विकसित राष्ट्र बनयबाक लेल नरेन्द्र मोदीक नेतृत्ववला सरकार चारिटा प्रमुख क्षेत्र, बुनियादी ढाँचा, निवेश, नवाचार आ समावेशिता पर ध्यान केन्द्रित कऽ रहल अछि।
व्हार्टन स्कूलक छात्रसभक सङ्ग बातचीतमे ओ कहलनि जे केन्द्र सरकारक ५१ सँ बेसी मंत्रालय आ विभाग प्रत्यक्ष लाभ हस्तांतरण (डीबीटी) सँ जुड़ल अछि। पछिला ८ सालमे ४५० अरब अमेरिकी डॉलरसँ बेसी हस्तांतरित कयल गेल अछि। वित्त मंत्री कहलनि जे ८ सालमे लगभग ४० अरब अमेरिकी डॉलरकेँ चोरीसँ बचायल गेल अछि। ओ कहलनि जे भारतक ई डिजिटल अनुभव चोरी, धोखाधड़ी लेनदेन आ फर्जी खाताधारककेँ कम करबामे एकटा पैघ सबक अछि। एहिसँ करदाताक पाइक प्रति उत्तरदायी होयबामे हमरा सभकेँ बहुत लाभ भेटैत अछि।