शिक्षा

नीट मे भारी धांधली, एनटीए केर डीजीकेँ हटा कय किछु नहिं होएत : अखिलेश प्रसाद सिंह

पटना
*

राष्ट्रीय परीक्षा एजेंसी (एनटीए) द्वारा आयोजित नीटमे कथित धांधलीकेँ लऽ कऽ छात्रसभमे आक्रोश अछि। छात्र सभ परीक्षा फेरसँ आयोजित करबाक माँगक लेल संघर्ष कऽ रहल छथि। एहि मामिलामे छात्रक विपक्षी दलक समर्थन सेहो भेटल अछि।

मुख्य विपक्षी दल कांग्रेस एहि मुद्दा पर लगातार केंद्र सरकार पर निशाना साधि रहल अछि। केन्द्र सरकार पूरा मामिलाक जाँच सीबीआइकेँ सौंपि देलक अछि आ एनटीएक डीजीकेँ पदसँ हटा देलक अछि। बिहार कांग्रेस अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद अखिलेश प्रसाद सिंह एनटीए केर डीजीक पदसँ हटाबए केर बाद प्रतिक्रिया देलनि अछि।
अखिलेश प्रसाद सिंह कहलनि जे एकर मतलब अछि जे परीक्षामे पैघ पैमाना पर धांधली भेल अछि। हम जे कहि रहल छलहुं ओ सिद्ध भए गेल अछि। लेकिन, एनटीए केर डीजी केर हटाबय सँ कोनो फायदा नहिं होएत। एहि धांधलीक जाँच होयबाक चाही आ एहिमे सम्मिलित सभकेँ दण्डित कयल जयबाक चाही, जाहिसँ एहन घटना फेर नहिं होय। जे छात्र पढ़ि-लिखि रहल छथि हुनक योग्यताक संग न्याय होयबाक चाही।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *