मधुबनी नगर थाना क्षेत्रक कोतवाली चौक स्थित आईसीआईसीआई बैंकक एटीएमसँ शनिदिन भोरे लगभग ३ बजे चोरीक एकटा पैघ घटना भेल। चोर एटीएम मशीनकेँ गैस कटरसँ काटि ओहिमे राखल ६ लाख टाकासँ बेसी नगदी चुरा लेलक। भोरमे एटीएमक शटर बन्द देखैत स्थानीय लोककेँ सन्देह भेल। एटीएमक शटर खोलला पर देखल गेल जे मशीनकेँ गैस कटरसँ काटि चोरी कऽ लेल गेल छल।
घटनाक सूचना तत्काल नगर पुलिस स्टेशनमे देल गेल, जकर बाद पुलिस घटनास्थल पर पहुँचि जाँच शुरू कऽ देलक।सीसीटीवी फुटेजमे देखल गेल जे एकटा उज्जर एम्बुलेंस वैन एटीएमक सोझाँ रुकल छल। पहिने एकटा युवक गाड़ीसँ उतरि एटीएमक भीतर चलि गेल, जकर बाद दूटा अन्य युवक सेहो एटीएम पहुँचल। तीनू मिलि कऽ एटीएमक शटर भीतरसँ बंद कऽ देलक आ गैस कटरसँ मशीन काटय लगल। सभ चोर १७ मिनटक भीतर एटीएमसँ बाहर निकलि गेल।
घटनाक पुष्टि करैत सदर एसडीपीओ राजीव कुमार कहलनि जे चोरक संख्या चारि छल आ एटीएममे कोनो सुरक्षा गार्ड उपस्थित नहि छल, जाहिसँ चोरसभकेँ चोरी करबाक मौका भेटल। पुलिस सीसीटीवी फुटेजक आधार पर जाँच कऽ रहल अछि, मुदा चोरीक कुल राशिक पुष्टि एखनि धरि नहि भेल अछि।
एहि घटनासँ सुरक्षा व्यवस्था पर सवाल उठि रहल अछि, विशेष रूपसँ एसपीक आवास लग स्थित एटीएममे। स्थानीय लोकमे भय आ आक्रोश अछि, आ ओ पुलिससँ सख्त कारवाईक माँग कऽ रहल छथि। पुलिस एहि मामिलाक गम्भीरतासँ जाँच कऽ रहल अछि आ जल्दिये चोरसभकेँ पकड़बाक प्रयास कऽ रहल अछि।