विधि-व्यवस्था

बसपा प्रत्याशी गुलाब यादव पर राजनगरमे एफआईआर दर्ज चुनावक बीच लागल आरोप

राजनगर समदिया
*

लोकसभा चुनाव २०२४ केर अन्तर्गत लागू आदर्श आचार संहिताक उल्लंघनक मामिलामे झंझारपुर संसदीय क्षेत्रसँ बसपा उम्मीदवार गुलाब यादव आ अन्य लोकक विरुद्ध राजनगर पुलिस थानामे प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। उक्त प्राथमिकी एफएसटी (जिला व्यय कोषागार द्वारा प्रतियुक्त) अंचलाधिकारी राजनगर कुमार अभिषेकक बयान पर दर्ज कयल गेल अछि। एफएसटी अंचलाधिकारी राजनगर कुमार अभिषेक स्थानीय पुलिस स्टेशनमे देल गेल आवेदन केर माध्यमसँ झंझारपुर लोकसभा क्षेत्रसँ बसपा उम्मीदवार गुलाब यादव पर बिना प्रशासनिक अनुमतिक राजनगर थाना क्षेत्रक रांटी-रामपट्टीक बीच स्थित सरवाडीह पुलसँ पूर्वमे जनसभा आयोजित कए आदर्श आचार संहिता आ आईपीसी केर धारा 144 केर उल्लंघनक आरोप लगओलनि अछि। एहि संबंधमे अंचलाधिकारी राजनगर कुमार अभिषेक कहलनि जे लोकसभा चुनावक कारण पूरा क्षेत्रमे आदर्श आचार संहिता लागू अछि। सूचना भेटल छल जे बसपा उम्मीदवार गुलाब यादव राँटी सर्वडीह पुल लग चुनावी सभाक आयोजन कऽ रहल छथि। ओतय पहुँचला पर ओ देखलनि जे मंच, कुर्सी, बैनर-पोस्टर आ साउंड एम्पलीफायरक संग बसपा उम्मीदवारक चुनाव सभा चलि रहल अछि। ओईठाम बहुत लोक जुटल अछि। जखन आयोजकसँ अनुमति पत्र मांगल गेल तखन ओ नहिं देखा सकलाह। एतय राजनगर थानाक प्रमुख सचिन कुमार सेहो उक्त मामिलाक पुष्टि कयने छथि। ओ कहलनि जे बीएसपी उम्मीदवार गुलाब आ अन्य लोकक खिलाफ आदर्श आचारसहित उल्लंघनक मामिला दर्ज कयल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *