राजनीति

फारूक अब्दुल्ला आ उमर अब्दुल्ला करैत छथि पाकिस्तान समर्थक गप्प : जीतन राम मांझी

गया
*

केन्द्रीय मंत्री जीतन राम मांझी मंगल दिन कांग्रेस आ नेशनल कॉन्फ्रेंसक बीच गठबंधनपर सवाल उठबैत कहलनि जे फारूक आ उमर अब्दुल्ला पाकिस्तान समर्थक गप्प करैत छथि। मुदा, कांग्रेस ओकरा संग गठबंधन कयलक अछि। गयामे एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंसमे ओ कहलनि, “फारूक आ उमर अब्दुल्ला अनुच्छेद ३७० हटयबाक समर्थन करैत छथि आ पाकिस्तानक समर्थनमे बयान दैत छथि। ओ एससी/एसटी आरक्षणक विरोध करैत छथि। मुदा, एकर बावजूद कांग्रेस हुनका लोकनिक संग गठबंधन कयलक अछि। ई स्पष्ट अछि जे कांग्रेसक गठबन्धन ओही मुद्दा पर सहमतिक बाद बनल हेतैक। हम एकरा केना बर्दाश्त कए सकैत छी। ताहि लेल हम एक्स पर एकटा पोस्ट कयलहुँ आ कहलहुं जे कांग्रेस कश्मीरमे चुनाव जीतबा लेल पाकिस्तान आ हिजबुलक संग सेहो हाथ मिला सकैत अछि।”

झारखण्डक पूर्व मुख्यमंत्री चंपई सोरेनक उल्लेख करैत ओ कहलनि, “झारखण्डक रूपमे ओ बहुत नीक काज कऽ रहल छलाह। मुदा, इस्तीफा देबासँ पहिने हुनकासँ बात कयल जाइत आ हुनका तखनि इस्तीफा देबाक लेल कहल जाइत, मुदा ई नहि कएल गेल आ हुनका अपमानित करय केर काज भेल।”

माझी कहलनि, “चंपई सोरेन पहिनेसँ स्पष्ट कऽ देने छलाह जे हुनका लग तीनटा विकल्प अछि। एहिमेसँ एकटा विकल्प जे ओ चुनलनि अछि। जाहि तरीकासँ हुनका अपमानित कयल गेल, एकर बाद ओ सही निर्णय लेलनि।”

जीतन राम मांझी किसानक लेल उठायल गेल कदमक लेल मोदी सरकारक प्रशंसा कयलनि। ओ कहलनि, “मोदी सरकार किसानक लेल जतेक काज कयलक। एतेक काज मुश्किलसँ कियो कए सकैत छल। कांग्रेस अपन शासनकालमे किसानक लेल की कयलक ? मल्लिकार्जुन खड़गेकेँ पहिने एकर जवाब देबाक चाही। कांग्रेस जे कहैत अछि खड़गे साहेब से बजैत छथि।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *